विराटनगर । सार्वजनिक सेवा प्रदायक भवन तथा ओहिठामसँ उपलब्ध होबएबला सेवाके अपाङ्गता मैत्री बनएबाक पहलस्वरुप राष्ट्रिय अपाङ्ग महासंघ स्थलगत निरीक्षण,अनुगमन शुरु कएने अछि ।

ओहिक्रममें विराटनगरक अधिकांश सार्वजनिक सेवा प्रदायक सरकारी निकायके भवनसब अपाङ्गता मैत्री नैरहल भेटल अछि । राष्ट्रिय अपाङ्ग महासंघ प्रदेश १ कार्यालय मंगलदिन विराटनगरस्थित उच्च अदालत आ जिल्ला प्रशासन कार्यालय परिसरके स्थलगत निरीक्षण अनुगमन कएलक ।

उक्त भवनसब अपाङ्गता मैत्री रहल वा नहि तथा ओहिठामसँ प्रवाह होबबला सेवा अपाङ्गता रहल ब्यक्तीसबके पहुँचमे अछि कि नहि बिषयमें अनुगमन निरीक्षण कएलगेल अछि । राष्ट्रिय अपाङ महासंघ प्रदेश १ कार्यालयके जनवकालत संयोजक सन्तोष पण्डित,जनवकालतके महानगर संयोजक चेतनाथ पोखरेल आ विराटनगर महानगरपालिकाके आर्किटेक्ट ईन्जिनीयर प्रवीणा पोखरेल सहितके टोली ओहि कार्यालयसबके निरीक्षण अवलोकन कएने छल ।

टोली ओहि कार्यालय भवनसबमें रहल सिढी,शौचालय,सभाहल,कार्यालय कक्ष,क्यान्टिन लगायतक कक्षसबमें अपाङ्गता रहल ब्यक्तीसबके भौतिकरुपमें पहुँच सहज रहल वा नहि तथा सेवा प्रवाह करएके क्रममें दोभाषे रहल वा नहि , अपाङ्गता रहल ब्यक्तीके सहजताहेतु सांकेतिक चिन्ह राखलगेल वा नहि लगायतक बिषयमें अध्ययन कएने छल ।

ओहि क्रममा दुनु कार्यालयमे निरीक्षण टोली अपाङ्गता रहल ब्यक्तीसबके अनुकुलके संरचना नैहरल निष्कर्ष निकालने अछि । निरीक्षणके क्रममें उच्च अदातलके निचलका मंजिलधरि अपाङता रहल ब्यक्तीहरुके पहुँच सहज रहलोपर उपरका मंजिलमें चढएके ब्यवस्था नैरहल भेटल अछि ।

तीनमंजिला उच्च अदालत भवनमें लिफ्ट वा -याम्प नैरहल तथा सांकेतिक चिन्हसब सेहो नैरहल टोली बतएने अछि । तहिना शौचालय कक्षसब सतहसँ उपर बनाएलगेलासँ व्हीलचियर प्रयोगकर्ताद्वारा प्रयोग करएके अवस्था नैरहल बताओलगेल अछि । टोली ओहि बिषयमें उच्च अदालतके उप रजिष्टार मणिराम पोखरेल आ सूचना अधिकारी ओमराज सुवेदीसंग सेहो ओहि बिषयमें छलफल कएने अछि ।

जवाबमें उप रजिष्टार पोखरेल आ सूचना अधिकारी सुवेदी उच्च अदालतमें दोभाषेके ब्यवस्था रहलोपर बजेट अभावमा उपरका मंजिलमें जाएबला लिफ्ट निर्माणक काज अधुरा रहल बतौलनि । अहिबीच जिल्ला प्रशासन कार्यालय भवनके निरीक्षण कएलापर निचलका मंजिलके प्रवेशद्वारमें बनाएलगेल-याम्पसँ सहजे व्हीलचेयर प्रयोगकर्ता उपर जाएके अवस्था नैरहल टोली बतएने अछि ।

ओहि कार्यालयमें सेहो उपरका मंजिलमें जाएबला -याम्प वा लिफ्टके ब्यवस्था नैरहल, शौचालयसब अपाङ्गता मैत्री नैरहल तथा कार्यालय प्रमुखके कक्षधरि अपाङता रहल ब्यक्तीके पहुँच नैरहल टोली निष्र्कष निकालने अछि । जिल्ला प्रशासन कार्यालय मोरङके साहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी शरदकुमार पोखरेल सेहो वर्तमान भवन अपाङ्गता मैत्री नैरहल मुदा आब बनएबला भवन अपाङ्गता मैत्री बनाएलजाएत आश्वासन देनेछलथि ।

आगामी दिनमें थप कार्यालयसबके सेहो अनुगमन कक अवस्थाके बिषयमें स्थानिय,प्रदेश आ संघीय सरकारके साथे सम्बन्धि कार्यालयके प्रतिवेदन देलजाएत जनवकालत संयोजक पण्डित जानकारी देनेछथि ।

महासंघ सिबिएम ग्लोबलसंग सहकार्य करैत अपाङ्गता रहल ब्यक्तीसबके गमनशिलता मुल्यांकन तथा पहुँच परीक्षणके बिषयमें भवन तथा सेवासबके निरीक्षण करहल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु