विराटनगर । पारम्परिक युरिया खाधके विकल्पकेरुपमें नेपालमें नेनो युरियाके विक्री शुरु भेल अछि । तरल पदार्थकेरुपमें उपलब्ध होबएबला इ युरिया बोतलमें बिकाईत अछि ।

विराटनगरस्थित प्रदेश एकके कृषि मन्त्रालय परिसरमें सोमदिन आयोजित एकटा कार्यक्रमकबीच अहि युरियाके लौन्च कएलगेल अछि । प्रदेशके कृषि मन्त्रि झलक दर्लामी मगर ‘ईफ्को नेनो युरिया’ लौन्च कएलनि । विराटनगरके नेपाल मल्टी ट्रेड सेन्टर अहि युरियाके नेपालमें आयात शुरु कएने अछि ।

भारतके नेनो बायोटेक्नोलोजी रिसर्च सेन्टरके बैज्ञानिकसब तरल पदार्थकेरुपमें रहल अहि युरियाके बिकास कएलक बताओलगेल अछि । इ युरिया ५ सौ एमएलके प्लाष्टिकके बोतलमें उपलब्ध होइत अछि । परीक्षण पश्चात २०२१ में भारतमें अहि युरियाके लौन्च कएलगेल छल ।

नेपालमें सेहो नार्कद्वारा ७ महिनाके सफल परीक्षण कक सिफारिस कएलापर इफ्को नेनो युरियाके आयात कएलजारहल नेपाल मल्टी ट्रेड सेन्टरके संचालक राकेश सुराना जानकारी देनेछथि । ठोस युरियाके प्रयोग होबबला सब फसलमें झोरकेरुपमें रहल अहि युरियाके प्रयोग कएलजासकैत अछि ।

१ लिटर पानीमें ४ एमएल युरियाके झोर मिलाक प्रयोग कएलजासकैत अछि । ठोस युरिया फसलकें जडिमें प्रयोग होइत अएलामें नेनो युरिया पानी मिलका फसलके पातपर स्प्रे करपरैत अछि । नेनो युरिया पारम्परिक युरियाके प्रयोगके ५० प्रतिशतधरि कम करत कम्पनीके दाबी अछि ।

५ सय एमएलके एक बोतल युरिया ४ सौ रुपैयामें खरीद कएलजासकैत अछि । अहि युरियाके प्रयोगसँ किसानके भाडाके बचत होबएके साथे महँग पारम्परिक युरिया किनएके बाध्यताके सेहो कम करत वितरक कम्पनी दाबी कएने अछि ।

तहिना प्रदूषण नियन्त्रण करएमें सेहो नेनो युरिया साहायक रहल बताओलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु