विराटनगर । थारु कल्याणकारिणी सभा मोरङ बैशाख ३० के स्थानीय तह निर्वाचनसँ निर्वाचित जनप्रतिनिधीसबके सम्मान कएने अछि ।

संघ अपने सभाहलमें एकटा कार्यक्रमके आयोजना करैत नवनिर्वाचित जनप्रतिनिधिसबके सम्मान कएने अछि । सभा विराटनगर महानगरपालिका,बुढी गंगा गाउँपालिका,ग्रामथान गाउँपालिका आ कटहरी गाउँपालिकाके निर्वाचित जनप्रतिनिधिसबके सम्मान कएने अछि ।

कार्यक्रमकबीच विराटनगर महानगरपालिकाके प्रमुख नागेश कोईराला,उपप्रमुख शिल्पा निराला कार्की,बुढीगंगा गाउँपालिकाके अध्यक्ष जितबहादुर थापा मगर,उपप्रमुख अमृता कुमारी गच्छदार,कटहरी गाउँपालिकाके अध्यक्ष देवराज चौधरी,ग्रामथान गाउँपालिकाके अध्यक्ष जयप्रकाश गच्छदारके सम्मान कएने अछि ।

ओहि अवसरमे मोरङके विभिन्न पालिकामें थारु समुदायसँ निर्वाचित उपप्रमुख तथा वडासदस्य सबके सेहो सम्मान कएने छल । जनप्रतिनिधिसबके थारु कल्याणकारिणी सभाके बरिष्ठ केन्द्रीय उपाध्यक्ष कनुलाल चौधरी,प्रदेश सभा सदस्य चुमनारायण तवदार आ जिल्ला अध्यक्ष प्रदीपकुमार भगत थारु लगायत खादा आ प्रशंसापत्र सहित सम्मान कएलनि ।

नवनिर्वाचित जनप्रतिनिधीसबके हौसला अभिबृद्धि करएहेतु तथा सफल कार्यकालके कामनासहित सम्मान कएलगेल थारु कल्याणकारिणी सभा मोरङके अध्यक्ष प्रदीपकुमार भगत थारु बतौनेछथि ।

ओहि अवसरमें बजनिहार जनप्रतिनिधिसब थारु समुदायके भाषा,संस्कृति संरक्षणहेतु पहल करबाक प्रतिबद्धता ब्यक्त कएने छल ।

सम्बन्धित खबरहरु