विराटनगर । विराटनगर–९ अस्पतालचौकस्थित आस्था क्लिनिक एण्ड डाइग्नोष्टिक सर्वसधारण तथा ज्येष्ठ नागरीकहेतु बिशेष छुट योजनासहितके उपचार सेवा घोषणा कएने अछि ।

बिशेषज्ञ चिकित्सक मार्फत स्वास्थय उपचार आ ल्याब परीक्षण सेवा उपलब्ध करबैत आएल उक्त क्लिनिक सर्वसाधारण तथा जेष्ठ नागरीकहेतु १० सँ ५० प्रतिशतधरि छुट योजना सार्वजनिक कएने अछि । क्लिनिकद्वारा रबिदिन पत्रकार सम्मेलन कक सार्वजनिक कएलगेल छुट योजना अनुसार ब्लड सुगर,थाईरोईड तथा जण्डिसके ल्याब परीक्षणमें ५० प्रतिसत छुट देलजाएत आस्था क्लिनिकके संचालक कमलेश कर्ण बतौनेछथि ।

ब्लड सुगर थाईरोईड तथा जण्डिसमें देलजाएबला ५० प्रतिसतके छुट सुविधा सब बर्गक सर्वसाधारणके साथे ज्येष्ठ नागरीसब सेहो प्राप्त कसकत । तहिना उक्त क्लिनीक ५० प्रतिसत छुट उपलब्ध होबएबला ल्याब परीक्षण बाहेकके आन सब प्रकारक ल्याब परीक्षण शुल्कमें ज्येष्ठ नागरीकके २५ प्रतिसत छुट देबाक घोषणा कएने अछि ।

ज्येष्ठ नागरीकके क्लिनिकमें उपलब्ध रहल सबप्रकारक ल्याब परीक्षणके साथे ओपिडि शुल्कमें सेहो २५ प्रतिशत आ औषधिमें १० प्रतिशत छुट भेटत आस्था क्लिनकिके संचालक कमलेश कुमार कर्ण बतौनेछथि । इ छुट योजना अखार १ गतेसँ दोसर सूचना जारी नैभेलाधरि लागु रहत ओ बतौनेछथि ।

ज्येष्ठ नागरीकसबमें प्राय मधुमेह,थाईरोईड आ जण्डिसके समस्या बहुसंख्यकरुपमें देखाईत अएलासँ बेसीसँ बेसी ज्येष्ठ नागरीक सहित सर्वसाधारण सेहो लाभान्वित होएवाक उद्धेश्यसहित अहि रोगसबहक ल्याब परीक्षणमें आधा छुटक ब्यवस्था कएलगेल ओ बतौनेछथि ।

आस्था क्लिनिक एण्ड डाइग्नोष्टिक बरिष्ठ चिकित्सक मार्फत जेनरल फिजिशियन सेवा, नवजात शिशु तथा बाल रोग विशेषज्ञ सेवा,प्रसुती तथा स्त्री रोग उपचार सेवा,छाला,यौन,कुष्ठ तथा सौन्दर्य विशेषज्ञ सेवा तथा नाक,कान,घाँटी रोग विशेषज्ञ सेवाके साथे आन विविध रोगसबहक बिशेषज्ञ सेवा सेहो उपलब्ध करबैत आएल अछि ।

बिगत ११ बर्षसँ स्वास्थय उपचार सेवा उपलब्ध करबैत आएल आस्था बिशेष छुटमें होल बडी चेकअप सुविधाके साथे ल्याब टेस्टहेतु घरेसँ नमुना संकलनके सुविधा सेहो उपलब्ध करबैत आएल अछि ।

कोशी अस्पतालचौक दक्षिण श्री हस्पिटल आगु रहल आस्था शनिदिन बाहेकके दिनसबमें स्वास्थय उपचार सेवा उपलब्ध करबैत आएल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु