विराटनगर । विराट राजवंशी समाज उत्थान समिति, विराट राजवंशी समुदायसँ निर्वाचित जनप्रतिनिधिके सम्मान कएने अछि ।
समिति विराटनगरस्थित बालमन्दिर आधारभुत विद्यालयमें रबिदिन एकटा कार्यक्रमके आयोजना करैत स्थानिय निर्वाचन २०७९ में सुनसरी–मोरङके विभिन्न पालिकामें निर्वाचित जनप्रतिनिधिके सम्मान कएने अछि । विराट राजवंशी समुदायसँ विराटनगर महानगरपालिकासहित मोरङ आ सुनसरीके विभिन्न पालिकासँ १४ गोटे जनप्रतिनिधि निर्वाचित भेल आयोजक संस्थाके केन्द्रीय उपाध्यक्ष बसन्त राजवंशी जानकारी देनेछथि ।
विराट राजवंशी समुदायसँ बुढीगंगा गाउँपालिका ३ के वडाध्यक्षमें तिलकनाथ मण्डल राजवंशी,कटहरी गाउँपालिका १ में हरि राजवंशी आ जहदा गाउँपालिका १ में बाबुराम राजवंशी वडाध्यक्षमें निर्वाचित भेलछथि । तहिना मोरङ आ सुनसरीके विभिन्न पालिकाकासँ थप ११ गोटे वडासदस्यसब निर्वाचित भेल अछि ।
सदस्यसबमें विराटनगर १४ सँ सन्तली विश्वास राजवंशी,विराटनगर ६ सँ पन्नालाल राजवंशी,विराटनगर ८ सँ भुवनेश्वर राजवंशी,विराटनगर १२ सँ कुशेश्वर राजवंशी सैह वडासँ प्रमिला राजवंशी निर्वाचित भेल छथि ।
तहिना कटहरी गाउँपालिका १ सँ सन्तोष राजवंशी,कटहरी २ सँ रन्जु राजवंशी,कटहरी ६ बाट रमादेवी राजवंशी,जहदा गाउँपालिका २ बाट बिजेन राजवंशी,जहदा ३ सँ सिता राजवंशी तथा दुहबी नगरपालिका वडानम्बर ४ सँ रिता राजवंशी निर्वाचित भेल छथि ।
निर्वाचित सदस्यमध्य विराटनगर १४ सँ निर्वाचित सन्तली विश्वास राजवंशी आ कटहरी २ सँ निर्वाचित सदस्य रन्जु राजवंशी सम्बन्धित पालिकाके कार्यपालिका सदस्यमें सेहो निर्वाचित भेलछथि । कार्यक्रमकबीच आयोजक संस्थाके केन्द्रीय अध्यक्ष भुवनेश्वर मण्डल राजवंशी,केन्द्रीय सल्लाहकार त्रिभुवन मण्डल राजवंशी आ मोरङ अध्यक्ष काशी राजवंशी सहित आमन्त्रित अतिथिगण जनप्रतिनिधिसबके सम्मान कएलनि ।
ओहि अवसरमें बजनिहार वक्तासब विराट राजवंशी समुदाय जातिय सुचिमें सुचिकृत नैभेलासँ पहल करर्के,समाजभितरके दहेज प्रथा अन्तके प्रयास तथा बेटीके शिक्षामें ध्यान देब बिषयमें पहलहेतु जनप्रतिनिधिसबके सुझाव देने छल ।