धनपालथान । नेपाल संथाल आदिवासी पैरवी महासंघके पंचबर्षिय रणनीति कार्ययोजना बिषयक कार्यशाला गोष्ठी सम्पन भेल अछि ।
मोरङके धनपालथान गाउँपालिका ४ कर्सिया बजारस्थित बिआईसी नेपालके सभाहलमें एकदिनक कार्यशाला गोष्ठी सम्पन भेल अछि । नेपाल संथाल आदिवासी पैरवी महासंघके आयोजन आ लुथरन सामुदायिक कल्याण समाज (LCWS) के सहयोगमें गोष्ठी सम्पन भेल अछि ।
कार्यशालामें झापा,मोरङ तथा सुनसरीके विभिन्न पालिकासँ संथाल समुदायके ३५ गोटे प्रतिनिधिसबहक सहभागिता रहल छल । संथाल समुदायके अगुवासबके सहभागि कराक आयोजना कएलगेल गोष्ठीसँ सुझाव संकलन कक पैरवी महासंघके आगामी पाँच बर्षक कार्ययोजना निर्माण कएलजाएत आयोजक संस्थाके अध्यक्ष बिरेन्द्र किस्कु जानकारी देनेछथि ।
कार्यशालामें संथाल समुदायमें रहल समस्यासबके पहचान तथा तेकर समाधानक उपायसबके बिषयमें सेहो विचारविमर्श भेल छल । तहिना नेपाल संथाल आदिवासी पैरवी महासंघके मुल्य मान्यता,प्राथमिकतामें राखलजाएबला योजनासब तथा आवश्यक बजट लगायतक बिषयमें सेहो बृहत छलफल भेल अध्यक्ष किस्कु बतौनेछथि ।
कार्यक्रममें लुथरन सामुदायिक कल्याण समाजके संस्थापक अध्यक्ष जोसेफ सोरेन आ पैरवी महासंघक सल्लाहकार बिनोद मुर्मु लगायतक उपस्थिति छल । कार्यक्रममें शिवनारायण चौधरी सहजीकरण कएनेछलथि ।