विराटनगर । विराटनगर १३ में निर्माण कएलगेल संकटमोचन हनुमान मन्दिरमें मुर्ती स्थापना कएलगेल अछि ।
शास्त्रिय धार्मिक परम्परा अनुसार विधिविधान करैत ओहि मन्दिरमें भगवान हुनमानके मुर्ति स्थापना कएलगेल अछि । मंदिरमें राजस्थानसँ मंगाएलगेल संगमरमरके साढे ५ फुटके भगवानक मुर्ति स्थापना कएलगेल मन्दिर समितिके अध्यक्ष अमर झा जानकारी देनेछथि ।

मुर्ति स्थापनाके पुर्वसन्ध्यामें बितल शनिदिनसँ ओहिठाम विविध धार्मिक कार्यक्रमसब कएलगेल छल । विराटनगर १३ में रहल कोशी प्रोजेक्टके पुर्वी गेट लग संकटमोचन मन्दिरके निर्माण कएलगेल अछि । सांसद विकास कोष,विराटनगर महानगरपालिका आ स्थानियबासीके सेहो लगानीमें ८० लाखमें ओहिठाम मन्दिर निर्माण कएलगेल अछि ।

मन्दिर परिसरमें जेठ १४ सँ १८ गतेधरिकलेल श्रीरामचरित मानस कथा प्रवचन सेहो आयोजन कएलगेल छल ।

सम्बन्धित खबरहरु