कटहरी । कटहरी गाउँपालिकास्थित स्वर्गद्वारीघाटके थप ब्यवस्थित कएलजाएत सम्बद्ध सरोकारवालासब बतौने अछि ।

गाउँपालिकाके पश्चिमी सिमाना भक बहएबला सिंघीया नदी कातमें रहल ओहि मृत्यू संस्कारस्थलके थप ब्यवस्थित कएलजाएत । ओहिठाम रबिदिन आयोजित बृक्षारोपण कार्यक्रममें सहभागिभेल गाउँपालिकाके अध्यक्ष देवराज चौधरी स्वर्गद्वारी घाटके ब्यवस्थित कएलजाएत बतौलनि ।

नदीमें आबबला बाईढके कारण प्रत्येकबर्ष घाटके जमिन कटान होइत अएलासँ सुरक्षाहेतु तटबन्धनके साथे दाहसंस्कारकेलेल आवश्यक संरचनाके निर्माण कक थप ब्यवस्थित कएलजाएत ओ बतौनेछथि । ताहिलेल आवश्यक बजेट गाउँपालिकाके साथे आन निकायसँ पहल करबाक प्रतिबद्धता सेहो ओ ब्यक्त कएलथि ।

कटहरी गाउँपालिकाके वडानम्बर १ मे अवस्थित ओहि घाटके स्थानीय २०५२ सालएम्हर दाहसंस्कार स्थलकेरुपमें प्रयोग करैत आएल अछि । ओहि घाटपर कटहरीके महेशपुर,जमटोकी आ झझौरा लगायतक्षेत्रक सर्वसाधारण दाहसंस्कार स्थलकेरुपमें प्रयोग करैत आएल अछि ।

पहिने १३ कट्ठा जमिन रहलोपर नदी कटानमें परलाके कारण हाल ७ कट्ठा जमिन मात्र बांकी रहल स्वर्गद्वारी घाटके अध्यक्ष पुष्पराज माझी जानकारी देनेछथि । घाटके नदी कटानसँ बचाबलेल रबिदिन विभिन्न प्रजातिके २ सौ ५० स बेसी गाछ रोपलगेल अछि । सब डिभिजन बन कार्यालय कटहरीसँ गाछ आनिक बृक्षारोपण कएलगेल अध्यक्ष माझी बतौनेछथि ।

हालतक गाउँपालिकाके बजेटसँ घाटस्थलमें पर्खाल निर्माण आ प्रदेशके बजेटसँ तटबन्धनके अधुरा काज भेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु