विराटनगर । विराटनगरमें सम्पन्न भेल पहिल मिल्स अन्तर विद्यालय सितेरियो करांते प्रतियोगिताके उपाधि जेसी बाल सदन स्कुल जितने अछि ।

रानी युवा क्लब विराटनगर १६ के आयोजन आ मिल्स डोजो रानीके संयोजनमें शनिदिन विराटनगरमें भेल प्रतियोगितामें जेसी बाल सदन स्कुल प्रथम भेल अछि । प्रतियोगिताके द्धितीय विराटनगरस्थित गोदावरी ईंङलिस बोर्डिङ स्कुल आ तृतीय गौतम बुद्ध मेमोरियल ईङलिस स्कुल घोषित भेल अछि ।

उत्कृष्ट खेलाडी छात्र गौतम बुद्धके जेनिश घतानी आ छात्रादिस मिल्स माविके बन्दना चौधरी घोषित भेल । प्रतियोगितामें विराटनगरक एक दर्जनसँ बेसी विद्यालयसबसँ ६० गोटेसँ बेसी करांतेके विद्यार्थी खेलाडीसबहक सहभागिता रहल कार्यक्रम संयोजक रीना श्रेष्ठ जानकारी देनेछथि ।

प्रतियोगितामें २० केजी समूहसँ लक ६० केजीसँ बेसी तौल समूहक खेलाडीसबबीच प्रतिस्पर्धा भेल छल । ४० केजी समूहके प्रथम केशव साह, द्धितीय मिहाङ्ग देवान आ तृतीय तेजस देव भेल छलथि । अहिना विभिन्न तौल समूहमे प्रथम द्धितिय घोषित कएलगेल छल । प्रथम, द्धितीय आ तृतीय भेल खेलाडीसब आकर्षक ट्रफी तथा मेडल प्राप्त कएलक ।

बिजेता भेलसबके प्याब्सन मोरङके अध्यक्ष सितला सुब्बा, नगर प्याब्सन विराटनगरके उपाध्यक्ष अर्जुन श्रेष्ठ, विराटनगर १६ के वडाअध्यक्ष उद्धब भुजेल, रानी युवा क्लब विराटनगरके अध्यक्ष संजिव सुब्बा,लायन्स क्लब अफ मिल्स एरियाके अध्यक्ष प्रहलाद बस्नेत लगायत ट्रफी तथा प्रमाणपत्र वितरण कएने छलथि ।

ओहि अवसरपर पुर्व करांते खेलाडी महेश श्रेष्ठके सम्मान कएलगेल छल । श्रेष्ठद्वारा करांते खेल क्षेत्रमें देलगेल योगदानके कदर करैत सम्मान कएलगेल आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु