विराटनगर । स्थानीयतह निर्वाचनके लक्षित क नियुक्त कएलगेल म्यादी प्रहरीसबके विदाई कएलगेल अछि ।
४० दिनक सेवाअवधि पुरा भेलासंगे जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङ शनिदिन म्यादी प्रहरीके विदाई कएने अछि । जिल्ला प्रहरी एकटा कार्यक्रमके आयोजना करैत म्यादी प्रहरीके विदाई कएने अछि । ओहि अवसरमें बजैत मोरङक प्रमुख जिल्ला अधिकारी काशीराज दाहाल कमे अवधिके तालिमसँ सेहो म्यादी प्रहरी निर्वाचनमें अब्बल कार्यकौशल प्रस्तुत कएलक बतौलनि ।
म्यादी प्रहरीके प्रमुख जिल्ला अधिकारी दाहालक साथे भैरवगण थलहाके सेनानी देवेन्द्र खत्री, जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङका प्रमुख एसपी शान्तिराज कोईराला,सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल ३ नम्बर गणके सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक राजकुमार लामिछाने आ राष्ट्रिय अनुसन्धान मोरङके उप अनुसन्धान निर्देशक बासुदेव सिग्देल प्रमाणपत्र वितरण करैत विदाई कएलनि ।
मोरङमें २३०२ गोटे पुरुष आ ८२२ महिला सहित ३१२४ गोटे म्यादी प्रहरी नियुक्त कएलगेल छल । जाहिमें पुर्व प्रहरी कर्मचारीसँ २८ गोटे,पूर्व नेपाली सेनासँ २८, पूर्व सशस्त्र प्रहरीबलसँ ११ गोटे आ पूर्व म्यादी प्रहरीसँ ४११ गोटेके छनौट कएलगेल छल ।
२०७८ चैत २८ गतेसँ नियुक्त कक १० दिनके म्यादी प्रहरी तालिम देलगेल छल । चैत २८ सँ सेवा अवधि शुरु भेल म्यादी प्रहरीके २०७९ जेठ ६ गते सेवा अवधि समाप्त भेल अछि ।
७ सौ सँ बेसी म्यादी प्रहरीके जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङ कार्यालय परिसरसँ विदाई कएलगेल अछि तथा आनसबके उर्लाबारी,पथरी,बेलबारी,सिजुवा आ ईलाका प्रहरी कार्यालय रंगेलीसँ बिदाई कएलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङ जानकारी देने अछि ।
४० दिनक सेवा अवधिमें म्यादी प्रहरी तलब, पोशाक,रासन आ यातायात खर्च वापत ४४ हजार ५ रुपैया ६० पैसा आर्जन कएने अछि ।