कटहरी । कटहरी गाउँपालिकाके अध्यक्षमें नेपाली काँग्रेसके देवराज चौधरी आ उपाध्यक्षमें नेकपा एमालेके सितादेवी राजवंशी निर्वाचित भेलछथि ।
मंगलबार राति साढे ९ बजे घोषित मत परिणाम अनुसार चौधरी ६५६५ मत सहित गाउँपालिकाके अध्यक्षमें निर्वाचित भेलछथि । हुनक निकटतम प्रतिस्पर्धी नेकपा एमालेके उम्मेदवार सुभाषकुमार सरदार ५६८२ मत हासिल कएलनि । चौधरी ८८३ के मतान्तरसहित निर्वाचित भेलछथि ।
तहिना उपाध्यक्षमें निर्वाचित राजवंशी ५८४८ मत हासिल कएलनि । हुनक निकटतम प्रतिस्पर्धी नेपाली काँग्रेसके मन्जिता कुमारी सरदार ५७०५ मत प्राप्त कएलनि । उपाध्यक्षमें निर्वाचित नेकपा एमालेके राजवंशी प्रतिस्पर्धी सरदार सँ १४३ मतके मतान्तर सहित निर्वाचित भेलछथि ।
तहिना गाउँपालिकामे प्रमुख पदहेतु उम्मेदवारी देनिहार अन्य दलके उम्मेदवारसब मध्य माओबादी केन्द्रके किशोरकुमार पाण्डे ३५३७,जसपाके मृत्यूञ्जयकुमार झा ११८२,राप्रपाके ओमप्रकाश वैश्व ६९०,लोसपाके विनोदकुमार मण्डल १०७,जनमत पार्टीके संजयकुमार यादव ७७,विवेकशील साझा पार्टीके राजाबाबु ठाकुर ३० आ स्वतन्त्र उम्मेदवार सोहनप्रसाद भगत १४ मत हासिल कएलनि ।
कटहरी गाउँपालिकाके वडानम्बर १,२,५,६ आ ७ कक चारिटा वार्डमें नेकपा एमालेके वडाध्यक्ष निर्वाचित भेल अछि । तहिना कटहरी ३ में नेपाली काँग्रेस आ ४ नम्बर वडामें जनता समाजबादी पार्टीके वडाध्यक्ष निर्वाचित भेल अछि ।