कटहरी । कटहरी गाउँपालिकाके वार्डनम्बर ४ में जनता समाजवादी पार्टी नेपालके उमेदवार प्यानलसहित निर्वाचित भेल अछि ।

ओहि पार्टीसँ कटहरी ४ के वडाध्यक्षमें जिवनेश्वर यादव सहित वडासदस्य सबहक प्यानल निर्वाचित भेल अछि । यादव ९८३ मत हासिल करैत वडाध्यक्षमें निर्वाचित भेलछथि । हुनक निकटतम प्रतिस्पर्धी माओबादी केन्द्रके विनोद सिंह ८०१ मत हासिल कएलनि ।

जसपा प्यानलके महिला सदस्यमें ८४६ मत सहित मन्जुदेवी साह,८१९ मत सहित मन्जुदेवी ऋषिदेव आ खुला सदस्यसबमें ८१९ मत सहित कैजुम शेख मियाँ तथा ७४१ मत सहित रामचन्द्र कामत विजयी भेलछथि ।

अहिसँ पहिने कटहरी ३ में नेपाली काँग्रेसके जदुलाल कामत प्यानल सहित वडाध्यक्षमें निर्वाचित भचुकल छथि । तहिना कटहरी २ के वडाध्यक्षमें नेकपा एमालेके सुरेन्द्रप्रसाद राजवंशी प्यानल सहित आ कटहरी १ के वडाध्यक्षमें एमालेके हरिनारायण राजवंशी निर्वाचित भचुकल छथि ।

सम्बन्धित खबरहरु