भारदह (सप्तरी ) । सप्तरीके हनुमान नगर कंकालनी नगरपालिकाके वडा नम्बर ४ के अगुवा महिलासब स्वतन्त्र समुह बनाक निर्वाचनके प्रतिस्पर्धामें उतरल अछि ।
स्थानीय शैल्जा झाके नेतृत्वमें समुह बनाक महिलासब निर्वाचनमें उतरल अछि । ‘जाईत पर नै पाईत पर,अइबेर मोहर लगावी समाजक प्रगतीके पथ पर’ नाराकसंग महिलासब नमुना वडाकेरुपमें विकास करएलेल निर्वाचनमें उतरल बतबैत अछि ।
दलसब महिला सहभागिताके बात करहलोपर नेतृत्वमें नै जाएदेबके परम्परा तोडैत समाज परिवर्तनहेतु महिलासब समुह बनाक निर्वाचनमें जुटल वडाअध्यक्ष पदमें उम्मेदवारी देनिहार शैल्जा झा बतौनेछथि ।
आधा सँ बेसी महिला जनसख्या रहल वार्डमें पहिलबेर महिलासब समुह बनाक वार्डक जनताके आकांक्षा अनुसार विकासक काज करत ओ दाबी कएनेछथि । ओहि वार्डसँ स्वतन्त्रमे ललितादेवी सदा,सहारुन खातुन,मयादेवी मण्डल आ अदुलियादेवी सरदार वडासदस्य पदपर उम्मेदवारी देनेछथि ।
महिलासब भ्रष्टाचार मुक्त वार्ड, हरेक कार्यके पादरदर्शी बनाक जनता समक्ष राखब,वार्डमें रहल विद्यालयके शैक्षिकस्तर उन्नति तथा अंग्रेजी माध्यमसँ अध्ययन अध्यापनके ब्यवस्था करब लगायतक प्रतिबद्धता ब्यक्त कएने अछि ।
तहिना महिलासब समानुपातिक सहभागिता लगायतक चुनावी एजेन्डा सेहो उठारहल अछि ।