विराटनगर ३० चैत । बहुतो समयसँ जमिनके लालपुर्जा हासिल नैकसकल सुकुम्बासीसब विराटनगरमें ‘नो लालपुर्जा नो भोंट’ के नारा लगएने अछि ।

सुकुम्बासीसब विराटनगरमें प्रर्दशनके क्रममें ‘नो लालपुर्जा नो भोंट’ के नारा लगएने अछि । नेपाल बसोबास बस्ती संरक्षण समाज महानगर कमिटिके अगुवाईमें विराटनगरमें आयोजन कएलगेल सुकम्बासी जागरण तथा खबरदारी कार्यक्रम करैत सुकुम्बासीसब प्रर्दशन कएने अछि ।

ओहिक्रममें सुकुम्बासीसब स्थानिय शनिहाटसँ नाराबाजी करैत नगरक्षेत्रके विभिन्न भागमें प्रर्दशन कएने छल । शनिहाटसँ प्लेकार्ड आ ब्यानर सहित आगा बढल प्रर्दशनकारीसब जिल्ला प्रशासनचोक,गोश्वारा रोड,गोल्छाचोकसँ मेनरोड होइत महानगरपालिकाके कार्यालय आगु जाक प्रर्दशन कएने छल ।

ओहिक्रममें ओसब ‘नो लालपुर्जा नो भोंट’ ‘बसोबासको आधारमा लालपुर्जा वितरण गर’,‘सुकुम्बासीलाई दुख दिन पाईदैन’, आ ‘उधारोमा भोंट माग्ने प्रथाको अन्त्य गर’ लगायतक नारा लगौनेछल । विगतमें विभिन्न समयमें राजनितिक दलके नेतासब सुकुम्बासी समस्या समाधान करके आ लालपुर्जा वितरण करएके प्रतिबद्धता ब्यक्त कएलोपर सेबात पुरा नैकएलक आयोजक संस्थाके केन्द्रीय अध्यक्ष कुमार कार्की बतौनेछथि ।

अहिबेर नो लालपुर्जा नो भोंटके नारासहित सुकुम्बासीके समस्या उठान करएहेतु बुधदिन देशभरि प्रदर्शन कएलगेल जानकारी सेहो देलनि । देशभरिमे ७० लाखसँ बेसी सुकुम्बासी आ ४० लाख मतदाता रहल कार्की बतौनेछथि ।

विराटनगर महानगरपालिकामें २० हजारसँ बेसी घर आ ५० हजार मतदाता रहल आयोजक संस्थाके नगर सचिव नेत्रप्रसाद चौलागाई जानकारी देनेछथि । प्रर्दशन पश्चात महानगरपालिकाके बगलमें कोणसभा सेहो कएलगेल छल ।

कोणसभामें आयोजक नेपाल बसोबास बस्ती संरक्षण समाजक केन्द्रीय अध्यक्ष कार्की,केन्द्रीय सदस्य ईन्दिरा चौलागाई, महानगर कमिटि अध्यक्ष हिराकाजी श्रेष्ठ लगायत सुकुम्बासी समस्याके बिषयमें बजने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु