विराटनगर ३० चैत । सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्र तिनपैनी, जिल्ला प्रहरी कार्यालय प्रमुख, एसपी शान्तिराज कोईरालासंगके परिचयात्मक कार्यक्रम कएने अछि ।

सामुदायिक आइभोर तिनपैनीचौपर नवबर्षके शुभकामना आदानप्रदान सहित एसपी कोईरालासंगके परिचयात्मक कार्यक्रम कएने अछि । ओहि अवसरमे आयोजक संस्थासहित विभिन्न संघसंस्थाके प्रतिनिधि आ नागरीक समाजका अगुवासब एसपी कोईरालाके फुलमाला आ खादा सहित जिल्लामें स्वागत सम्मान करैत सफल कार्यकालके कामना कएने छल ।

कार्यक्रममें बजैत एसपी कोईराला समाजमें अमनचयन कायम करएलेल प्रहरी आ नागरीकबीचके सहयोग आ सहकार्य अपरिहार्य रहल बतौनेछलथि । ओ नागरीकसब सेहो बिना बर्दीके प्रहरी रहल कहैत सैह अवधारणा अनुसार सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्रसब काम करहल बतौनेछलथि । सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्र कंंचनबाडीक अध्यक्ष जगतप्रसाद दाहाल, सामुदायिक सेवा केन्द्रसब समाजमें अपराध न्यूनिकरणहेतु महत्वपुर्ण भुमिका निर्वाह करहल बतौनेछलथि ।

जनचेतना अभिबृद्धिके साथे सामाजिक कार्यसबमें सेहो सेवाकेन्द्रसब महत्वपुर्ण भुमिका निर्वाह करैत आएल ओ बतौनेछलथि । आयोजक संस्थाके अध्यक्ष मिना जोशी, स्थानिय निर्वाचनके मिति लगचिआइतगेल समयमे जिल्लाके नयाँ एसपीकोरुपमें कोईरालाके आगमन भेल बतबैत हुनक नेतृत्वमें शान्तिपुर्णरुपसँ निर्वाचन सम्पन्न होएत बातक विश्वास ब्यक्त कएलनि ।

आयोजक संस्थाके उपाध्यक्ष विद्यानन्द माझी,सदस्य हिरा थापा मगर आ नागरीक समाजक होमनाथ घिमिरे लगायतक ब्यक्तीसब एसपी कोईरालाके सफल कार्यकालके कामना कएलनि ।

कार्यक्रममें नेपाली काँग्रेसके यूवा नेता पंकज बर्मा,समाजसेवी नन्दकिशोर राठी,बिजय शर्मा,सन्तोष बाहेती,सरोज शर्मा तथा चैतु माझी लगायत शुभकामना ब्यक्त कएनेछलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु