विराटनगर १९ चैत । विराटनगरस्थित नोबेल अस्पतालमें कार्यरत एकगोटे चिकित्सक शंकास्पद अवस्थामें मृत भेटल अछि ।
सप्तरीके बिष्णुपुर गाउँपालिका खुरहुरिया घर भक नोबेल अस्पतालमें अर्थो डिपार्टमेन्टमें कार्यरत डाक्टर बिजय यादवके शव अस्पताल लगके एकटा घरमें भेटल अछि । स्वयं भाडामें रहैत आएल घरके कम्पाउण्ड भितरके मुल गेटपर पुर्वपश्चिम ओंघराएल अवस्थामें हुनकर शव भेटल अछि । शव भेटल घर नोबल अस्पताल आगुके नहरसँ पुर्वउत्तर दिस अछि ।
२७ बर्षिय मृतक यादव बितल ५ बर्ष एम्हर हाडजोर्नी तथा नशारोग विभागमें कार्यरत रहल नोबेल अस्पतालके प्रशासन प्रमुख नारायण दाहाल जानकारी देनेछथि । चैत १८ गते कटहरी गाउँपालिकामें आयोजना कएलगेल निशुल्क स्वास्थ्य शिवीरमें अस्पतालके तर्फसँ सहभागि भक यादव साँझ ६ बजे पश्चात ड्युटी समाप्त कक गेल समयमें घटना भेल ओ आशंका ब्यक्त कएने छथि ।
मृतक यादवके नाक आ मुँहस खुन बहल आ एकटा पैरके जुत्ता सेहो कम्पाउण्ड बाहरके सडकपर भेटल ओ जानकारी देनेछथि । जानकारी भेटलापर घटनास्थल पहुँचल प्रहरी घटनाके सुक्ष्म अनुसन्धान करहल अछि । शव भेटल स्थानसँ लगभग एक सौ मिटर अलगबगल विभिन्न स्थानमें खुनके दाग आ घिसिआएलगेल जेहन चिन्हसब भेटल अछि ।
अनुसन्धानके क्रममें प्रहरी घटनास्थल अगलबगलके दोकानसबमें रहल सिसि क्यामराके फुटेजसबके सेहो बिश्लेषण करहल अछि । मृतक यादवके बुढीगंगा १ टंकीसिनवारीमें मामा गाम अछि ।