विराटनगर १८ चैत । विराटनगर १४ कठकुप्पास्थित श्री जनता बाल आधारभुत विद्यालयमें स्वच्छ पिअएबला पानीहेतु आरओ प्रबिधिके खानेपानी मशिन जडान कएलगेल अछि ।

प्रदेश एकके सामाजिक विकास मन्त्रालयके आर्थिक सहयोगमें ओहि विद्यालयमे स्वच्छ खानेपानी मशिन जडान कएलगेल अछि । शुक्रदिन भोरे आयोजित कार्यक्रमकबीच प्रदेश एकके स्वास्थ्य मन्त्री जयराम यादव खानेपानीके उदघाटन कएलनि । अहिसँ पहिने सामाजिक विकास मन्त्री रहल समयमें स्वास्थ्य मन्त्री यादवके प्रयाससँ ओहि विद्यालयमें प्लान्ट जडान करएलेल बजेट उपलब्ध कराएलगेल विद्यालयके प्र्धानाध्यापक राजेश प्रसाद यादव जानकारी देनेछथि ।

सामाजिक विकास मन्त्रालय ओहि विद्यालयमें स्वच्छ पानीकलेल ५ लाख आ प्रवेशद्वार निर्माण शिर्षकमें ४ लाख सहित ९ लाख बजेट उपलब्ध करएलक बताओलगेल अछि । उपलब्ध भेल बजेटसँ विद्यालय परिसरमें आरओ प्रबिधि जडान करएलेल एक कोठाके भवन आ प्रवेशद्वार सेहो निर्माण कएलगेल प्रअ यादव बतौनेछथि । आरओ प्रबिधिसँ प्रशोधित स्वच्छ पानी विद्यालय परिसरमें उपलब्ध भेलापर विद्यालयमें अध्यनरत ५ सौ सँ बेसी विद्यार्थी,शिक्षक आ कर्मचारी लाभान्वित होएत विद्यालयके ब्यवस्थापन समिति अध्यक्ष प्रमोदकुमार यादव बतौनेछथि ।

अहिसँ पहिने विद्यालयमें स्वच्छ पानीके अभावमें विद्यार्थीसब पारम्परिक चापाकलके पानी पिअके बाध्य रहैत अएलामें आब तेहन अवस्थाके अन्त भेल ओ बतौनेछथि । ओहि अवसरमें बजैत स्वास्थ्य मन्त्री यादव पिअबला पानीके शुद्धतामें देलापर अनेकौं प्रकारक रोगसबके न्युनिकरण सम्भव रहल बतौनेछलथि । कार्यक्रममें विद्यालय ब्यवस्थापन समितिके सदस्यगण सितलीदेवी कामत,आशाकुमारी महतो,अवधेष चौधरी,निलमदेवी यादव,प्रेमसागर महतो,राजनन्दन महतो आ शान्ता बराल लगायत स्थानिय समाजसेवी आ विद्यार्थीक अभिभावकसबहक सहभागिता रहल छल ।

विराटनगर १४ जतुवाकें भित्री क्षेत्रमें रहल अहि विद्यालयमें सिमान्तकृत,दलित तथा विपन्न समुदायके छात्रछात्रासब अध्यनरत रहल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु