विराटनगर १२ चैत । आइ २६ मार्च, विश्व मिर्गि रोग दिवसकेरुपमें संसारभरि विभिन्न कार्यक्रम कक मनाओलजाईत अछि ।

अहि दिवसके अवसरपर मिर्गि रोग न्युनिकरणहेतु जनचेतना जगाबलेल विभिन्न कार्यक्रम कक मनाओलजाईत अछि । अहि अवसरपर विराटनगरस्थित न्यूरो अस्पताल प्रभातफेरी कार्यक्रम कएने अछि । विराटनगर–१० स्थित अस्पताल परिसरसँ निकाललगेल प्रभातफेरीके सहभागि हस्पिटलचौक,शहिद रंगशाला,जिल्ला प्रशासनचोक सँ मेनरोड,संसारीमाई स्थान होइत नगरक्षेत्रके विभिन्न भागके परिक्रमाकक फेर अस्पताल परिसरमें जाक समापन भेल छल ।

प्रभातफेरीके सहभागि ‘लाल मुर्गा आ कारी परवा चढएलासँ मिरगी रोग ठीक नै होइत अछि ’,‘मिर्गि रोग देवीदेवता के पितएलासँ लागएबला रोग नहि’ आ ‘औषधि सेवन कएलापर मिर्गि रोग ठीक होइत अछि’ लगायतक नारा लिखल प्लेकार्ड लेने छल । प्रभातफेरीमें न्यूरो हेल्थ कलेजके विद्यार्थीसबहक साथे अस्पतालक चिकित्सक,कर्मचारी तथा स्वास्थ्यकर्मीसब सहभागि भेल छल ।

औषधि सेवन कएलापर मिर्गि रोग निक होबबला रोग रहलोपर अहि रोगक बिषयमें समाजमें ब्याप्त अन्धविश्वास तथा भ्रमके कारण न्युनिकरणमें समस्या देखारहल न्यूरो अस्पतालके न्यूरोलोजिष्ट डाक्टर विरेन्द्र बिष्ट बतौनेछथि ।

मिरगी रोग न्युनिकरणके उद्धेश्यसहित न्यूरो अस्पताल चैत १३ गतेसँ १८ गतेधरि मिर्गि रोग सम्बन्धि निशुल्क ओपिडि सेवा सेहो संचालन करहल अस्पतालक आउट रिच विभागके कार्यक्रम संयोजक भारत श्रेष्ठ बतौनेछथि । निशुल्क ओपिडिमें अस्पतालक न्यूरोलोजिष्ट डाक्टर विष्ट सहित,न्यूरो सर्जन डाक्टर यामबहादुर रोक्का आ न्यूरो साईक्याट्रिक डाक्टर रंजन थापा उपचार सेवा देताह ।

ओहि अवधिमें सेवा लेब आएल रोगी सबके १ महिनाके औषधि सेहो निशुल्क प्रदान कएलजाएत श्रेष्ठ जानकारी देनेछथि । विश्वक १ प्रतिसत जनसंख्यामें इ रोग देखाएल तथ्यांकके आधारमें नेपालमें करीब ३ लाख अहि रोगके रोगी रहल अनुमान कएलगेल अछि । १० बर्षसँ १२ बर्ष उमर समुहके बालबालिकामें अहि रोगके प्रभाव बेसी देखाएल बताओलगेल अछि ।

३ बर्षधरि निरन्तर औषधि सेवन कएलापर इ रोग पुर्णरुपसँ ठीक भरहल चिकित्सकसब बतौने छथि ।

सम्बन्धित खबरहरु