विराटनगर ११ चैत । सुनसरी–मोरङक कुष्ठ प्रभावित तथा बाढि पीडित परिवारके नया घर निर्माणकक हस्तान्तरण कएलगेल अछि ।
बितल बर्षात महिनामें आएल बाढिके कारण घरसबमें क्षति पहुँचल कुष्ठ प्रभावित परिवारके नया घर निर्माणकक हस्तान्तरण कएलगेल अछि । एशोसिएसन फर आईडिया नेपालके संयोजन तथा नेप्रा ईभि जर्मनीके सहयोगमें सुनसरी मोरङके तिनटा परिवारके २ कोठाके पक्की घर निर्माणकक हस्तान्तरण कएलगेल अछि ।
बुढीगंगा गाउँपालिकाके वडानम्बर १ पुष्पलालचौकके सिंघीया नदी किनारमें रहैत आएल सुधा कामत,बेलबारी नगरपालिका वडानम्बर ६ रहनिहार चन्द्रकला खवास आ दुहबी नगरपालिका वडानम्बर १० के प्रमेश चौधरीके घर निर्माणकक हस्तान्तरण कएलगेल अछि ।
शुक्रबार आयोजित कार्यक्रमकबीच पीडित परिवारसबके आईडिया नेपालके संयोजनमें निर्माण कएलगेल घरसब हस्तान्तरण कएलगेल अछि । बुढीगंगा १ पुष्पलाल चौकपर आयोजित कार्यक्रमकबीच गाउँपालिकाके अध्यक्ष बालचन्द्र माझी आ एशोसिएसन फर आईडिया नेपालक केन्द्रीय निर्देशक अमरबहादुर तिमल्सिना, पीडित परिवारके घर हस्तान्तरण कएलनि ।
एक त कुष्ठ प्रभावित उपरसँ किछु महिना पहिने आएल बाढिके कारण बेघर भेल पीडित परिवारसबके प्रति परिवार ३ लाखसँ बेसीके लगानीमें २ कोठे पक्की घर निर्माणकक हस्तान्तरण कएलगेल आईडिया नेपालके केन्द्रीय निर्देशक तिमल्सिना बतौनेछथि ।
उक्त संस्था बाढीपीडित विराटनगर १६ के दिपक मण्डलके घर मर्मत कराबके साथे शौचालय निर्माण करादेने अछि तथा बाढिके कारण क्षति सहनिहार बुढीगंगा २ के दुरुल देवी यादवके मुर्गाके खोर मर्मत कराबएके साथे १ हजार मुर्गाके बच्चा सेहो उपलब्ध करएलक परियोजना संयोजक देवेन्द्र डंगोल बतौनेछथि ।
कुष्ठ प्रभावित बाढि पीडित परिवारके लक्षितकक १३ लाख २७ हजार ३ सौ रुपैयाके लगानीमें घर निर्माण,मर्मत तथा सहयोग उपलब्ध कराएलगेल आयोजक संस्थाके महासचिव जयबिन्द कुमार यादव बतौनेछथि ।
आइडिया नेपाल कुष्ठ प्रभावित ब्यक्तीसबहक उपचार आ पुर्नस्थापनाके लेल काज करैत आएल अछि ।