शिक्षादीप कलेविराटनगर ८ चैत । मानव जीवनके सर्वपक्षिय विकासहेतु योगसाधना अपरिहार्य रहल विराटनगरमें आयोजित एकटा कार्यक्रमक वक्तासब बतौने अछि ।
विराटनगर–९ स्थित शिक्षादीप कलेजद्वारा मंगलदिन आयोजक कएलगेल विद्यार्थी लक्षित योग प्रशिक्षण शिवीरमें बजनिहार योग प्रशिक्षक आ सम्बद्ध वक्तासब एहन बतौने अछि । योग मानव स्वास्थ्य आ नैतिक विकाससंग सम्बद्ध रहलासँ जीवनकेलेल अपरिहार्य रहल ओसब बतौने छल । कार्यक्रममें बजैत विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर एवम शिक्षादीप कलेजके अध्यक्ष भिम पराजुली समुन्नत जीवनकेलेल मानसिक आ शारिरीक प्रगति आवश्यक रहल बतौने छलथि ।
योगके माध्यमसँ आध्यात्म,नैतिकता,स्वास्थ्य तथा मानसिक आ शारिरीक सर्वांगिण विकास सम्भव रहलासँ योग मानव जीवनकेलेल अपरिहार्य रहल ओ बतौनेछलथि । पतंजली योग समिति मोरङके अध्यक्ष ध्रुव तामाङ, योग मानव जीवनके सकारात्मक मार्गपर लजाएमें सक्षम रहलासँ विद्यार्थी वर्गकलेल आओर उपयोगि रहल बतौलनि । हिसानके केन्द्रीय उपाध्यक्ष भेषराज पोखरेल, योगसाधना विद्यार्थीसबहक सक्रिय जीवन तथा चरित्र निर्माणमें उपयोगि रहलासँ नियमित जीवनमें योगके समावेश कएलजेवाकचाहि बतौलनि ।
शिक्षादीप कलेजके प्रिन्सिपल ज्ञानबहादुर खड्का, विद्याथीसबके शैक्षिक,शारिरीक,मानसिक,आध्यात्मिक सहित समग्र ब्यक्तित्व विकासक लेल पतंजलि योग समिति मोरङके प्राबिधिक सहयोगमें योग प्रशिक्षण कार्यक्रम आयोजन कएलगेल बतौने छलथि । कलेजमें अध्यनरत विद्यार्थीके भारतके हरिद्वारस्थित पतंजली पीठसँ आएल साध्वी देवा आ साध्वी द्विविजया योग सम्बन्धि प्रशिक्षण देनेछलथि ।
ओहि अवसरमें कलेज भवनके उपरका मंजिलपर निर्माण कएलगेल सुविधा सम्पन्न सभाहलके उदघाटन सेहो कएलगेल छल । विद्यार्थीके योग साधना,क्वीज प्रतियोगिता,बादविवाद सहितके अतिरिक्त क्रियाकलाप करएमें उपयोगि होबएके हिसाबसँ हलके निर्माण कएलगेल कलेजके साईन्स कोअर्डिनेटर बसन्त बस्नेत जानकारी देनेछथि ।
ब्यवस्थापन आ विज्ञानके अध्यापन होबएबला ओहि कलेजमें १ सय २० गोटे विद्यार्थी अध्यनरत अछि ।