विराटनगर ७ चैत । जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङ म्यादी प्रहरीके भर्ना प्रक्रिया सुरु कएने अछि ।

आगामी बैशाख ३० गते होबएबला निर्वाचनकलेल आवश्यक म्यादी प्रहरीके आवेदन लेबाक काज सुरु भेलापर विराटनगर–१ पोखरियास्थित जिल्ला प्रहरी कार्यालय परिसरमें आइकाल्हि कार्यालय समय सुरु होबसँ पहिनहि युवायुवतीसबहक भीड लागिरहल अछि । रबिदिनसँ मोरङ प्रहरी आवेदन लेब लगलापर फर्म भरएलेल युवायुवतीसबहक भीड लागि रहल अछि । जिल्लाके विभिन्न स्थानसँ आएल युवायुवती सहित भुपु प्रहरी आ सुरक्षा गार्डके रोजगार करहल व्यक्तिसब सेहो म्यादी प्रहरीमें भर्ना होबलेल आवेदन दरहल अछि ।

आवेदन देनिहारक भीडभाडके ध्यानमें राखिक मोरङ प्रहरी कार्यालय परिसरके दक्षिण दिसके खाली फिल्डमें अस्थायी टेन्ट लगाक आवेदनके फाइल रुजु डेस्क स्थापना कएने अछि तथा जिल्ला प्रहरीके गेटमें रहल रुमसँ फर्म वितरण करके ब्यवस्था कएलगेल अछि । म्यादी प्रहरीमें भर्नाके आवेदन देबलेल शिक्षित बेरोजगार मात्र नहि भुतपुर्व प्रहरी आ सुरक्षा गार्डके काज करहल ब्यक्तीसब सेहो जिल्ला प्रहरी कार्यालय पहुँचिरहल अछि ।

म्यादी प्रहरीकलेल १८ सँ ५४ बर्ष उमर धरिके महिला पुरुष आवेदन देबके ब्यवस्था कएलगेल अछि । म्यादी प्रहरीमें छनौट भेल ब्यक्तीके ४० दिनधरि निर्वाचन क्षेत्रमें खटाओलजाएत बताओलगेल अछि । अहिबेरके म्यादी प्रहरीमें आवेदन देनिहारमें उल्लेख्य संख्याके युवती आ महिलासब सेहो सहभागी भरहल अछि । आवेदन देनिहार महिलासबमें अध्ययन समाप्त कक घर बैसल विद्यार्थीसँ लक गृहणीसब सेहो अछि ।

म्यादी प्रहरीमें छनौट भेल ब्यक्तीके ४० दिन काम कएलावापत ३० हजार २४० रुपैयाँ तलब, राशन वापत ७ हजार २ सय, पोशाक वापत ६ हजार आ कार्यस्थलमें जाएआबहेतु यातायात वापत १ हजार रुपैयाँ खर्च भेटल बताओलगेल अछि ।

मोरङमें ३ हजार ७ सय २७ गोटे म्यादी प्रहरी भर्ना लेलजाएत । आवेदनहेतु चैत ६ सँ ११ गतेधरिके मिति निर्धारण कएलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु