विराटनगर ५ चैत । दोसर संस्करणके मिल्स गोल्डकप फुटबल प्रतियोगिता होबजारहल अछि । चैत ११ सँ १८ गतेधरि विराटनगर जुट मिलके खेलमैदानमें उक्त प्रतियोगिता आयोजन होएत ।
आयोजक मिल्स गोल्डकप फुटबल ट्रष्ट आइ पत्रकार सम्मेलनकक गोल्डकपके तैयारी शुरु भेल जानकारी देने अछि । हप्ता दिनधरि संचालन होबएबला प्रतियोगितामें आठटा टिमके सहभागिता रहत । प्रतियोगितामें गोधुली क्लब धरान, उर्लाबारी एगारह मोरङ, गाईघाट एगारह उदयपुर, साईनो स्पोर्टस क्बल विराटनगर, एन्फा एकेडेमी धरान, दमक एकेडेमी झापा, एसपीएफ पकली आ गोलबजार प्रतिभा फुटबल क्लब सिरहाके सहभागिता रहत संयोजक किशोर सुब्बा जानकारी देनेछथि ।
पहिल दिनके उदघाटन खेल चैत ११ गते गोधुली क्लब धरान सुनसरी आ उर्लाबारी एगारहल मोरङ बिच प्रतिस्पर्धा होएत ट्रष्टके अध्यक्ष किशोर बहादुर शाही जानकारी देनेछथि । प्रतियोगिताके उपाधि बिजेता नगद २ लाख १ हजार रुपैयाके साथे ट्रफि हासिल करत । तहिन उप बिजेता टिम १ लाख १ हजार राशिके पुरस्कार प्राप्त करत । अहिसँ पहिनुका प्रथम संस्करणमें बिजेताके १ लाख ५० हजार आ उपबिजेताके ७५ हजार रुपैयाके पुरस्कार देलगेल छल ।
अहिबेर प्रतियोगितामें उत्कृष्ट होबबला खेलाडी २५ हजार, म्यान अफ द म्याच होबबला खेलाडी ५ हजार रूपैया हासिल करत । तहिना उत्कृष्ट होबबला खेलाडीके १५ हजार, नव उदियमान एकगोटे खेलाडीके २० हजारके पुरस्कार राशि निर्धारण कएलगेल अछि । प्रशिक्षक, गोल किपर, डिफेन्स, मिड फिल्डर, फरवार्ड, सर्वाधिक गोलकर्ताके ७÷७ हजार रुपैया राशि प्रदान कएलजाएत ।
प्रतियोगिता सम्पन्न करएहेतु २५ लाख ३ हजार रुपैयाँ खर्च होएत आयोजकके अनुमान अछि । प्रतियोगिता संचालन हेतु किशोर सुब्बाके संयोजकत्वमें मूल आयोजक समिति गठन कएलगेल अछि । प्रथम मिल्स गोल्डकपके उपाधि सशस्त्र प्रहरी बल (एपीएफ) जितने छल ।