बुढीगंगा ४ चैत । औद्योगिक प्रदुषण नियन्त्रणहेतु उद्योगिएसब उदासिन रहल मोरङके बुढीगंगा गाउँपालिकामें आयोजित एकटा कार्यक्रमके वक्तास बतौने अछि ।

बुढीगंगा गाउँपालिकाके सहयोग आ सभ्य युवा समाज नेपालके आयोजनमे चैत १ सँ तिन दिनधरि ंचालित औद्योगिक प्रदुषण न्युनिकरण अभियान तथा गोष्ठीके सहभागि वक्तासब एहन बतौने अछि । टंकीसिनवारीस्थित नरग्राम माध्यमिक विद्यालयके सभाहलमे आयोजन कएलगेल ओहि कार्यक्रममे सहभागिताक लेल बुढीगंगा गाउँपालिकामें रहल उद्योगिसबके आमन्त्रण कएलगेलोपर अधिकांश उद्योगिसब अनुपस्थित भेल छल ।

तिन दिनक अभियान अन्र्तगत सहभागि उद्योगि,जनप्रतिनिधि आ स्थानियके वातावरण विज्ञ मार्फत प्रशिक्षण देबके तथा प्रदुषण नियन्त्रणहेतु अवलम्बन कएलजाएबला उपायसबहक बिषयमें जानकारी कराबके कार्यक्रम राखलगेलोपर कार्यक्रममें अधिकांश उद्योगिसब उपस्थित नैभेल । यद्यपि मोरङ ब्यापार संघके दुगोटे प्रतिनिधि सहभागि भेल छल । कार्यक्रममें सहभागिताक लेल पत्र लिखक उद्योगस्थलमें जाक आमन्त्रण कएलोपर अति न्यून संख्यामें उद्योगिसब मात्र कार्यक्रममें सहभागिता जनौलक आयोजक सभ्य युवा समाज नेपालक अध्यक्ष सुनिल यादव बतौनेछथि ।

कार्यक्रमक समापन सत्रके सम्बोधन करैत बुढीगंगा गाउँपालिकाके अध्यक्ष बालचन्द माझी, बुढीगंगा गाउँपालिका औद्योगिकक्षेत्रमें रहलासँ औद्योगिक प्रदुषणके समस्या भयावह आ जटिल रहल बतौने छलथि । उद्योगसँ निकलएबला ध्वनी,हवा आ पानी प्रदुषणके कारण स्थानिय लोकसबमें चर्मरोग सहितके दिर्घ आ भयानक रोगसबके समस्या देखाएल बतौनेछलथि । तेहन समस्यासब समाधानके उपाय खोजलेल कार्यक्रम आयोजन कएलगेलोपर उद्योगिसब उपेक्षा कएलक हुनकर कहब छल ।

गाउँपालिकाके उपाध्यक्ष अमृताकुमारी गच्छदार, औद्योगिक प्रदुषण नियन्त्रण करएहेतु गाउँपालिका बारम्बार पत्राचार कक तगादा करैत अएलोपर उद्योगिसब टालमटोल करहल बतौनेछलथि । आधुनिक उपकरणसबके प्रयोग कक प्रदुषण न्युनिकरण करके अवस्था रहलोपर उद्योगिसब नाफामुखी मात्र भेलासँ समस्या सृजना भेल हुनकर कहब छल ।

सुनसरी मोरङ औद्योगिक करीडोरमें रहल बुढीगंगा गाउँपालिकामें ७० सँ बेसी छोट पैघ उद्योगसब संचालित अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु