विराटनगर २ चैत । औपचारिक रोजगारमे संलग्न अपाङता रहल ब्यक्तीसब बीच विराटनगरमें अनुभव आदानप्रदान सहितके १ दिवसिय गोष्ठी कार्यक्रम कयलगेल अछि ।

अपाङता रहल ब्यक्तीसबके रोजगार प्रर्बधनहेतु रोजगारदाता आ लाभग्राहीबिच पुलके काज करैत आएल फाउण्ड परियोजना विराटनगर क्लस्टरद्वारा कार्यक्रमके आयोजना कयलगेल अछि । कार्यक्रममे ३ दर्जन सँ बेसी लाभग्राहीसब सहभागि भेल छल । ओहि अवसरमे बजैत लाभग्राही राधिका न्यौपाने स्वयंके कान सुनमें समस्या रहलासँ सांकेतिक भाषा मात्र बुझके क्षमता रहल मुदा कार्यस्थलमे दोभाषिके ब्यवस्था नहि रहल सँ समस्या झेल परिरहल बतौने छलथि ।

कार्यक्रमके सहभागिसब आन लाभग्राहीसब रोजगार भेटलोपर न्युन तलबमे काज कर परिरहल आ भेदभाव सेहो सह परिरहल सिकायत कयने छल । द लेप्रोसी मिशन नेपालद्वारा फाउण्ड परियोजना मार्फत प्रदेश १ में अपाङता भेल ब्यक्तीसबके रोजगार उपलब्ध करावलेल ओकरासबके विभिन्न प्रकारक सिपयुक्त तालिम,प्रशिक्षण देवके साथे रोजगारदाता आ अपाङता रहल ब्यक्तीबीच पुलके काज करैत आएल अछि ।

हाल प्रदेश १ के मोरङ– सुनसरीमे फाउण्ड परियोजना मार्फत ५ दर्जन अपाङता रहल ब्यक्तीसबके रोजगार दिआबमें सफलता हासिल भेल द लेप्रोसी मिसन नेपालके प्रदेश संयोजक विपिन दास जानकारी देने छथि । गोष्ठीमे लाभग्राहीद्वारा उठाएलगेल प्रश्न सबके रोजगारदाता संग समन्वय कक सहजीकरण कयलजाएत ओ बतौलनि ।

कार्यक्रममे आयोजक संस्थाके ब्यवसाय बिकास अधिकृत भरत प्रसाद दाहाल आ राष्ट्रिय अपाङ महासंघ प्रदेश एकके उपाध्यक्ष भिमा खतिवडा सहजिकरण कयने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु