विराटनगर २ चैत । मद्यपान आ निशा लागएबला पदार्थरहित होलीपर्व मनाब बिषयमें विराटनगरमें आयोजित एकटा कार्यक्रमक वक्तासब जोड देने अछि ।
सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्र रानीद्वारा बुधदिन आयोजना कएलगेल कार्यक्रममें बजनिहार वक्तासब एहन बतौने अछि । रानीस्थित क्यान सेन्टरमें आयोजित कार्यक्रममें बजैत आयोजक संस्थाके अध्यक्ष किशोर सुब्बा, हाल आबिक होलीमें बिकृति बढैतगेल बतौलनि । होली सांस्कृतिक पर्व रहलोपर तेकरा बदनाम करके हिसाबसँ मादक पदार्थ सेवन कक होहल्ला तथा झगडा झण्झट करके प्रबृति बढैत गेलासँ एहन प्रबृतिके निरुत्साहित करकएके आवश्यकता रहल बतौलनि । इलाका प्रहरी कार्यालय रानीके प्रहरी निरीक्षक प्रकाश राउत होलीके नामपर मादक पदार्थ सेवन कक जथाभावी सवारीसाधन चलाबके प्रबृति देखएलासँ प्रत्येकबर्षके होलीमें दुर्घटना बेसी होइत आएल विगतके अनुभव रहल बतौलनि । ओ बितल २ दु बर्ष एम्हरके कोरोनाकालिन अवस्थाके कारण बहुतो लोक बेरोजगार भेलासँ सेहो विभिन्न किसिमके अपराधजन्य घटनासबमें बृद्धि होब बिषयमें सेहो सर्वसाधारणके सचेत रहबाकचाहि बतौलनि । आयोजक संस्थाके सचिव अर्जुनकुमार क्षेत्री होलीमें होबबला बिकृति नियन्त्रण प्रहरी मात्रके चाहलासँ सम्भव नैरहलासँ सर्वसाधारणके सेहो सचेत रहबाचाहि विचार ब्यक्त कएलनि । कार्यक्रममें समाजसेवी गोपालप्रसाद साह,प्रहलाद बस्नेत,किशोर शाही जोगबनी नगरपञ्चायतके पुर्व उपमेयर नरेशप्रसाद लगायतके ब्यक्तीसब होली सभ्य आ सांस्कृतिक रुपमें मनाब बिषयमें जोड देनेछलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु