बुढीगंगा १ चैत । मोरङके बुढीगंगा गाउँपालिकामें औद्योगिक प्रदूषण न्यूनिकरण अभियान अन्र्तगत तिन दिनक गोष्ठी शुरु भेल अछि ।

बुढी गंगा गाउँपालिकाके सहयोग आ सभ्य युवा समाजके आयोजनामें गोष्ठी शुरु भेल अछि । मंगलदिनसँ शुरु भेल कार्यक्रमके गाउँपालिकाके उपप्रमुख अमृता कुमारी गच्छदार गोष्ठीके उदघाटन कएलनि । ३ दिनधरि चलएबला गोष्ठीमें आद्योगिक प्रदुषणके कारण सृजित समस्या आ तेकरा न्यूनिकरण करएहेतु उद्योगि,स्थानिय जनप्रतिनिधि,राजनितिक दलके प्रतिनिधि आ प्रदुषणके कारण पीडितके सेहो सहभागि कराक सर्वपक्षिय छलफल होएत आयोजक संस्थाके अध्यक्ष लवकुमार यादव जानकारी देनेछथि ।

कार्यक्रममे सब सरोकारवाके सहभागि कराक वातावरण विज्ञ मार्फत प्रशिक्षण सेहो देबके कार्यक्रम रहल ओ बतौनेछथि । गोष्ठीके उदघाटन सत्रमें बजैत नेपाल ट्रेड युनियन कांग्रेसके जिल्ला अध्यक्ष सुशिल कोइराला,ट्रेड युनियन महिला विभाग अध्यक्ष झुमा निरौला गौतम आ प्रकृति मानव केन्द्रीत जनअभियान नेपालक उपाध्यक्ष राजन केसी लगायतक वक्तासब सुनसरी मोरङ औद्योगिक करिडोरमें प्रदुषणके कारण मानव स्वास्थ्यमें प्रतिकुल असर परिरहल बतबैत तेकरा ब्यवस्थित करएके आवश्यकता रहल बतौनेछलथि ।

गाउँपालिकाके उपाध्यक्ष गच्छदार, औद्योगिक प्रदुषण न्यूनिकरण हेतु सबहक संयुक्त जिम्मेवारी आ पहल प्रयास आवश्यक रहल बतौने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु