विराटनगर १ चैत । मैथिल ब्राह्मण सभा यूवा समिति, विराटनगरस्थित जनजाती कल्याण आश्रममें होलीके शुभकामना आदानप्रदान कार्यक्रम कएने अछि ।
समिति, विराटनगर ७ स्थित आश्रम परिसरमें रहल आमाको माया छात्राबासक विद्यार्थीबीच होलीके शुभकामना आदानप्रदान कएने अछि । होली आपसी सदभाव आ सब तरहेक विभेदसबहक अन्त करएबला सांस्कृतिक पर्वकरुपमे रहलासँ छात्राबासके आश्रित विभिन्न समुदायक विद्यार्थीबिच कार्यक्रम कएलगेल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष मनोजकुमार मिश्र बतौनछथि ।
ओहि अवसरमें सहभागि समितिके पदाधिकारी,विद्यार्थी आ छात्राबासक पदाधिकारीसब एकदोसरके अबिर औंसक होलीके शुभकामना आदान प्रदान कएने छल । अहि छात्राबासमें धर्मसंस्कृति आ संस्कारके केन्द्रबिन्दु बनाक १७ गोटे छात्रसब अध्ययनरत अछि । ओहि अवसरमें बजैत जनजाति कल्याण आश्रमक अध्यक्ष मदन साह, संस्कारित नागरीक तयार करबाक उद्धेश्यसहित जनजाति कल्याण आश्रम, आमाको माया छात्रावास संचालन करहल बतौने छलथि ।
आदिवासी जनजाति समुदायमें धर्मपरिवर्तन भारी समस्याकेरुपमें देखएलासँ आश्रम मौलिक संस्कृति संरक्षणके हेतु काज करहल बतौने छलथि ।
कार्यक्रममें जनजाति कल्याण आश्रमक सल्लाहकार शिवरतन जोशी,संगठन मन्त्री मिलन भट्ट आ मैथिल ब्राह्मण सभा यूवा समितिक सचिव सुरज मिश्र तथा सल्लाहकार बरुण मिश्रा लगायतक सहभागिता रहल छल ।