विराटनगर २८ फागुन । विराटनगरस्थित दिब्यज्योती अस्पताल जेष्ठ नागरीकसबहक आँखि परीक्षण तथा उपचार करैत २० म जलबिन्दु सचेतना सप्ताह समापन कएने अछि ।

नगरक्षेत्रके वडानम्बर ८ अशोकचौक लग रहल बिराटेश्वर बृद्धाश्रमके ६२ गोटे आश्रित जेष्ठ नागरीकसबहक आँखि परीक्षण तथा उपचार करैत अस्पताल जलबिन्दु सचेतना सप्ताह समापन कएने अछि । अस्पतालक जलबिन्दु रोग बिशेषज्ञ डाक्टर प्रमोद गौतम आ नेत्ररोग विशेषज्ञ डाक्टर उदयानन्द सहित स्वास्थयकर्मीके टिम बृद्धाश्रमके आश्रित बिमारसबहक उपचार कएलक । बृद्धाश्रमके आश्रित आछाम पर्सुराम कुण्डके १०२ बर्षिय बलराम आचार्यके आँखि परीक्षण करैत ओहिठाम शिवीर शुरु कएने छल ।

उपचारके क्रममें आचार्यके आँखिमें गम्भीर प्रकृतिके मोतियाबिन्दु देखएलासँ हुनका शल्यक्रियाकेलेल मलायारोडस्थित अस्पताल लजाएल जाएत अस्पताल जानकारी देने अछि । शिवीरमें ८० बर्षसँ उपरके १५ गोटसहित ६२ गोटे उपचार सेवा लेने छल । ओहिक्रममें थप १४ गोटेमें मोतियाबिन्दु तथा जलबिन्दुके समस्या देखएलापर हुनकासबके सेहो अस्पताल लजाक उपचार तथा शल्यक्रिया कराएलजाएत । उपचारके क्रममें बिमारसबके चश्मा आ औषधि निशुल्क उपलब्ध कराएलगेल छल ।

ओहि अवसरमें बजैत दिब्यज्योती अस्पतालक अध्यक्ष कमलेश कर्ण, फागुन २२ गतेसँ शुरु भेल जलबिन्दु सचेतना सप्ताह अन्र्तगत आँखिके घातक जलबिन्दु रोगक बिषयमें पर्चा पम्पलेट वितरण,बिमारसबके काउन्सिलिङ तथा विभिन्न माध्यमके प्रयोगकक सचेतना फैलबके कार्यक्रमसब कएलगेल बतौलनि । अस्पतालके निर्देशक देवा यादव, जलबिन्दु सप्ताह कार्यक्रम अन्र्तगत बृद्धाश्रमके आश्रित जेष्ठ नागरीकसबके आँखि स्क्रिनिङ,उपचार आ शल्यक्रियाके ब्यवस्था कएलगेल बतौलनि ।

शिविरमें शल्यक्रियाके आवश्यकता देखलगेल विमारसबके अस्पतालमें लजाक अप्रेशन,औषधि,चश्मा,खाना,आवास तथा यातायात लगायत निशुल्क कएलगेल ओ जानकारी देलनि । बृद्धाश्रमके संचालक जगत प्रसाद अज्र्याल अस्पतालद्वारा आश्रममें पहुँचक सेवा देलासँ चलएमें समस्या रहल अशक्त जेष्ठ नागरीकसब सेहो सहजरुपमें सेवा लेनाई सम्भव ओ बतौनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु