विराटनगर २८ फागुन । विराट राजवंशी समुदायके कला संस्कृति प्रर्बधनहेतु विराटनगरमें ‘विराट राजवंशी महोत्सव मेला’ आयोजना होबजारहल अछि ।
चैत ५ सँ १५ गतेधरि महोत्सव आयोजना होबजारहल अछि । मेला आयोजक विराट राजवंशी प्रगतिशिल विकास समाज समिति शनिदिन पत्रकार सम्मेलनके आयोजना कक ओहि बिषयमें जानकारी करएने अछि । नगरक्षेत्रके वडानम्बर ५ त्रिमुर्तिचौक,जागृति टोलके खाली चौरीमें मेला आयोजन कएलजाएत आयोजक समिति जानकारी देने अछि । समुदायके भाषासंस्कृति,खानपान,कला आ पहिरनके संरक्षण तथा आन समुदायके सेहो जानकारी देबाक उद्धेश्यसँ मेला आयोजन कएलजारहल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष किरण राजवंशी बतौनेछथि ।
मेलामें विराट राजवंशी समुदायके सांस्कृतिक धरोहरसबहक प्रर्दशन करके साथे धियापुता तथा युवासबहक मनोरंजनलेल रोटेपिङ आ झुलुआ लगायतक ब्यवस्था सेहो कएलगेल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष किरण राजवंशी बतौनेछथि । ११ दिनधरि चलएबला मेलामें राजवंशी समुदायक कलाकारसबहक प्रस्तुतिके साथे राष्ट्रियस्तरके कलाकार सबहक दैनिक प्रस्तुति रहत आयोजक समितिके सचिव गोपी राजवंशी बतौनेछथि ।
मेलामें सहभागिताक लेल सुगम पोखरेल,शिव परियार,प्रमोद खरेल,मेलिना राई,ज्योति मगर,कृष्ण लुईटेल,लाहुरे,डम्बर नेपाली,तक्मे बुढो आ माग्ने बुढोसंग अनुबन्ध कएलगेल ओ बतौलनि । तहिना गायक तथा संगितकार प्रबलदिप विश्वासके संयोजनमें स्थानिय तथा समुदायभितरके कलाकारसबहक प्रस्तुति सेहो रहत आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।
मेलामें प्रर्दशनी तथा ब्यापारिक प्रयोजनके ६० स्टल रहत ।
मेलामें सहभागिताक लेल टिकट ब्यवस्था कएलगेल सदस्य दिनेश राजवंशी बतौनेछथि । पत्रकार सम्मेलनमें आयोजक विराट राजवंशी प्रगतिशिल विकास समाज समितिके उपाध्यक्ष ममता राजवंशी,सदस्य मार्कण्डेय राजवंशी सहित स्थानियके उपस्थिति छल ।