विराटनगर २० फागुन । नेकपा (माओवादी केन्द्र) मोरङ जिल्ला समन्वय समितिके संयोजकमें विजयकुमार विश्वास चयन भेलछथि ।
पार्टीके प्रदेश कमिटि, प्रदेशसभाके सदस्य सेहो रहल विश्वासके संयोजकके जिम्मेवारी देने अछि । विश्वास पूर्वराज्यमन्त्री सेहो छथि । माओवादी केन्द्रद्वारा संघीयताके कार्यान्वयन करैत जिल्ला कमिटिके समन्वय समितिमें रुपान्तरण कएलगेल अछि । समन्वय समितिमें प्रदेश कमिटिद्वारा संयोजक तय करएके व्यवस्था अछि तथा सचिबके निर्णय समन्वय समितिके बैठकसँ होएत पार्टीके प्रदेश कमिटिके सचिव गणेश उप्रेती जानकारी देनेछथि । प्रदेश कमिटि, मोरङके सह–इन्चार्जहरुमें खेम भट्टराई, लालबहादुर सुस्लिङ,हेम कार्की, प्रेम मिभव लिम्बू आ शुशिला घिमिरेके जिम्मेवारी देने अछि ।
संयोजकके दाबी करैत आएल भट्टराईके सहइन्चार्जके जिम्मेवारी भेटल अछि । जिल्ला इन्चार्जके बिषयमें केन्द्रीय सदस्य सबमेंसँ केन्द्रीय समिति तय करत । प्रदेश कमिटि, सुनसरीके संयोजकमें पप्पु मण्डल आ झापाके संयोजकमें राजु आचार्यके जिम्मेवारी देने अछि । तहिना मोहन टुडु झापा सचिब बनलछथि । झापाके सह–इन्चार्जहरुमें सीपी कडरिया, बोधराज दाहाल, ज्योतिसिंह दर्लामी,पुरुषोत्तम चुडाल, पूर्णसिंह राजवंशी आ रोशन कन्दङ्वा रहल छथि ।
प्रदेश कमिटिले प्रदेशद्वारा गौरभौगोलिक पार्टी कमिटिके संयोजकके जिम्मेवारी भानु मैनालीके देलगेल अछि । ओहि कमिटिके सहइन्चार्जसबमें भुपाल सापकोटा गरिमा भट्टराई, ओपेन्द्र राय आ शिखर कडरिया रहेका छथि ।