विराटनगर १८ फागुन । आबबला फागुन २४ गते विराटनगरमें महिलासबबीच ‘गर्ल्स ऑन व्हिल’ प्रतियोगिता आयोजना होबलागल अछि । स्कुटी चालक महिलाबीच मनोरंजनात्मक खेल खेलबैत इ प्रतियोगिता आयोजन होएत ।

विराटनगर प्राईम राउण्ड टेबल, अन्र्तराष्ट्रिय नारी दिवसके सन्दर्भपर तेसर संस्करणके रुपमें इ कार्यक्रम आयोजना करलागल अछि । आयोजक समिति पत्रकार सम्मेलनके आयोजन करैत ओहि बिषयमें जानकारी देनेअछि । कार्यक्रम अन्र्तगत स्कुटी चालक महिलासबबीच मनोरंजनात्मक प्रतियोगिता होएत । एकटा स्कुटीमे २ गोटे महिला सवार भक अहि प्रतियोगितामें सहभागि भसकैत अछि । स्कुटिमें सवार प्रतियोगिबीच प्रतिस्पर्धा होबके रहलोपर इ स्कुटी रेस प्रतियोगिता नैरहल आयोजक समितिके सदस्य प्रकाश मुन्दडा बतौनेछथि । इ कार्यक्रम मनोरंजनात्मक आ उत्प्ररेणात्मक होएत ओ बतौलनि । प्रतियोगितामें सहभागि स्कुटि चालक प्रतियोगिसबके आयोजक समितिद्वारा पठाएलजाएबला विराटनगरक विभिन्न १० ठाममें पहुँचलापर देलगेल संकेतके आधारमें टास्क पुरा करपरत ।

प्रतियोगिता अन्र्तगत प्रतियोगिसबके महानगरपालिकाके २२ किलोमिटर क्षेत्रके दुरी तय करपरत, सैहबिचमें विभिन्न प्वाईन्ट सबपर मनोरंजनात्मक आ बुद्धिमतापुर्ण खेलसब खेलाओलजाएत । सैह खेलसबमें प्राप्त अंक तथा एक ठाँमस दोसर ठाँम पहुँचएलेल निर्धारण कएलगेल समय अनुसार ठीक समयपर पहुँचलापर प्राप्तांकके आधारमें बिजयी घोषणा कएलजाएत दोसर सदस्य राकेश जैन बतौनेछथि । प्राप्ताङ्कके आधारमें प्रतियोगीसब मध्यबाट खेलके विजेता घोषणा कएलजाएत आयोजक टीमके अध्यक्ष भबेस राठी बतौनेछथि । प्रतियोगितामे प्रथमके ४८ हजार मुल्य बराबरके ४० इन्चके टेलिभिजन पुरस्कार प्रदान कएलजाएत ओ बतौनेछथि । तहिना दोसर आ तेसरके क्रमशः ३० आ २० हजार मुल्य बराबरके पुरस्कार प्रदान कएलजाएत ।

प्रतियोगितामें सहभागिताहेतु १५ सय रुपैया दर्ता शुल्क राखलगेल अछि । प्रतियोगितामें सहभागि होबअएनिहार सब प्रतियोगिके प्रायोजकके दिससँ गिफ्ट ह्याम्पर प्रदान कएलजाएत आयोजक समिति जानकारी देने अछि । सहभागिताहेतु विराटनगरके सेन्ट्रलबजार आ डिजी स्टोर अथवा ९८१२३७३६१६ में सम्पर्क कएलजासकैत अछि ।

सहभागिताकलेल सवारी चालक अनुमतिपत्र अनिवार्य रहल अछि । मेनरोडमें रहल जैन भवनसँ प्रतियोगिता शुरु आ ओहिठाम समापन होएत बताओलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु