विराटनगर १४ फागुन । नेपाल मुस्लिम संघके मोरङ जिल्ला सदस्य मोहम्मद रुस्तम जनता समाजबादी पार्टी नेपालमें प्रवेश कएनेछथि ।
जसपाके वडा इकाई समिति विराटनगर १५ द्वारा शनिदिन आयोजना कएलगेल पार्टी प्रवेश कार्यक्रमकबीच नेपाली काँग्रेसके भातृ संगठन मुस्लिम संघके जिल्ला सदस्य रुस्तम, उपेन्द्र यादव नेतृत्वके जनता समाजबादी पार्टीमें प्रवेश कएनेछथि । प्रदेश एकके स्वास्थ्य मन्त्री जयराम यादव, रुस्तमके पार्टीमें प्रवेश करएने छलथि । ओहि क्रममें जसपाके केन्द्रीय सदस्यसब भोगेन्द्र यादव,नन्हे मियाँ,भुराज राई, जसपाके जिल्ला अध्यक्ष एवम प्रदेश उपाध्यक्ष राजकुमार यादव,नगर अध्यक्ष अम्रेन्द्र यादव,उपाध्यक्ष मोहम्मद नसरुल, जिल्ला कार्यकारिणी सदस्य मन्तलाल यादव, युवा नेता राकेश रोसन यादव आ महिला नेतृ सदिना खातुन लगायत हुनका पार्टीमें स्वागत कएलनि ।
रुस्तम अहिसँ पहिनुका स्थानिय तहके निर्वाचनमें लोकतान्त्रीक फोरमसँ वडानम्बर १५ के वडाध्यक्ष पदके उम्मेद्वार भेल छलथि । जसपासँ निर्वाचित वडानम्बर १५ के वडाध्यक्ष असलम आलम, किछदिन पहिने पार्टी परित्याकक नेपाली काँग्रेसमें प्रवेश कएला एम्हर रुस्तमके जसपा प्रवेशके पार्टी पंक्ती बिशेष महत्व दरहल बताओलगेल अछि ।
रुस्तमसंगे हुनकर नेतृत्वमें वडानम्बर १५ के विभिन्न पार्टी छोडिक लगभग २ सौ गोटे आ वडानम्बर १७ में आयोजित कार्यक्रमकबीच निर्वाचित वडाध्यक्ष समिम कमरके नेतृत्वमें ५ दर्जनसँ बेसी लोक जसपामें प्रवेश कएलक ओहि पार्टीके वडानम्बर १५ अध्यक्ष गोपालप्रसाद साह जानकारी देनेछथि ।