पाँचथर १० फागुन । प्रदेश नम्बर एक सरकारक आन्तरिक मामिला तथा कानूनमन्त्री केदार कार्की, कारागारमें रहल कैदीबन्दीके मानवअधिकारक रक्षा कएलजेवाकचाही बतौनेछथि ।
सोमदिन मन्त्रालयद्वारा पाँचथर कारागारमें आयोजना कएलगेल कारागारभितर मानवअधिकार प्रवर्धन तथा कानूनी सचेतना कार्यक्रममें बजैत ओ एहन बतौनेछथि । कारागारमें रहल कैदी सबद्वारा अनुशासन वहन करहल कहैत ओ खुसी व्यक्त कएनेछथि । मन्त्री कार्की, कारागारके भौतिक संरचना निर्माणमें सरकार आवश्यक सहयोग करत बतबैत ओ कैदीबन्दीके कानूनी परामर्श लेबमें समस्या भरहलासँ निःशुल्क कानूनी परामर्श सेवा उपलब्ध कराएलजाएत उल्लेख कएलनि ।
मन्त्री कार्की, जिल्लामें रहल सुरक्षा निकायक प्रतिनिधिसँग जिलाके सुरक्षा स्थितिक बिषयमें जानकारी लेनेछलथि । तीनु सुरक्षा निकायक प्रतिनिधिसँग भेल छलफलमें सुरक्षा व्यवस्थाके चुस्त दुरुस्त बनाबहेतु ओ निर्देशन देनेछलथि । मन्त्री कार्की, जिल्ला प्रशासन कार्यालय मार्फत स्वास्थ्य कार्यालयके अक्सिजन कन्ट्रन्सेसर सेहो प्रदान कएने छलथि । कन्सन्ट्रेटर उपलब्ध भेलापर स्वास्थ्य सेवा थप प्रभावकारी होएत हुनकर कहब छल ।