विराटनगर ९ फागुन । विराटनगर १६ स्थित दुर्गा मन्दिर परिसरमें सुविधा सम्पन्न सामुदायिक भवन निर्माण कएलगेल अछि । १ करोड २५ लाखके लगानीमें ओहि मन्दिर परिसरमें ‘दुर्गा मन्दिर सामुदायिक भवन’के निर्माण कएलगेल अछि ।
नवनिर्मित भवनके सोमदिन आयोजित एकटा कार्यक्रमकबीच विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर भिम पराजुलील उद्घाटन कएलनि । भवनक पहिल तलाके निर्माण पुर्णरुपसँ सम्पन्न भेल अछि त उपरका तलाके निर्माण अखनि जारी अछि । भवन निर्माणहेतु सम्बन्धित विराटनगर १६ के वडा कार्यालयद्वारा ५ लाख,प्रतिनिधि सभा सदस्य शिवकुमार मण्डलद्वारा सांसद विकास कोषसँ १५ लाख आ विराटनगर महानगरपालिकाद्वारा १ करोड १० लाख रकम बिनियोजन कएलगेल दुर्गा मन्दिरक अध्यक्ष गोपालप्रसाद साह जानकारी देनेछथि । सामुदायिक भवनके निर्माण भेलापर स्थानिय सर्वसाधारणके संस्कृति अनुसारक कर्मकाण्ड करएमे सहज होएत साह बतौलनि ।
सामुदायिक भवन उद्घाटन समारोहके सम्बोधन करैत महानगरके मेयर पराजुली, महानगरके दक्षिणी क्षेत्र बिगतसँ विकास निर्माणमें उपेक्षित रहल बतौलनि । सरोकारवाला सबहक समन्वयमें ओहिक्षेत्रक विकासके गतिदेबहेतु महानगर प्रतिबद्ध रहल ओ बतौलनि ।नेपाली काँग्रेसके प्रदेश सदस्य तथा युवा नेता राजेश कुमार गुप्ता, महानगरके दक्षिणीक्षेत्र राजनितिक आन्दोलन, खेलकुद आ औद्योगिकरणमे सेहो नेतृत्व प्रदान करैत अएलोपर विकास निर्माणमें उपेक्षाके शिकार होइत आएल विचार ब्यक्त कएलनि ।
कार्यक्रममें नेपाली काँग्रेसक नगर अध्यक्ष दिपक चापगाई,रानी सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्रक अध्यक्ष किशोर सुब्बा आ दुर्गा मन्दिरके सल्लाहकार केशवलालसिंह सुवाल लगायत मनतब्य रखनेछलथि । कार्यक्रमकबीच सामुदायिक भवन निर्माणमे भुमिकाके कदर करैत मेयर पराजुलीके दोसल्ला आ कदरपत्र सहित सम्मान कएलगेल छल । तहिना अन्य सहयोगि आ दातासबके सेहो प्रशंसापत्र सहित सम्मान कएलगेल छल ।