विराटनगर २२ माघ । एल.पि.ग्याँस बिक्रेता संघ मोरङ, सुन्दरहरैचा नगरपालिकाके सलकपुरमें अपन सम्पर्क कार्यालय संचालनमें लाएल अछि । संघके अध्यक्ष गणेश साहके अध्यक्षता आ ग्याँस बिक्रेता महासंघके केन्द्रीय सदस्य सुर्यमान बज्राचार्यके प्रमुख आतिथ्यमें शनिदिन एकटा कार्यक्रमके आयोजना करैत सम्पर्क कार्यालय संचालनमें आनलगेल अछि ।

ओहि अवसरमें जिल्ला कार्यसमितिके पदाधिकारीसबके प्रमाणपत्र सेहो वितरण कएलगेल छल । बितल बर्ष फागुन महिनामें अधिवेशनसँ कार्यसमिति निर्वाचित भेलोपर कोभिडके कारण ओहि समयमें प्रमाणपत्र वितरण नैभसकलासँ शनिदिन औपचारिक कार्यक्रम कक प्रमाणपत्र वितरण कएलगेल आयोजक संस्थाके मोरङ अध्यक्ष साह बतौनेछथि ।


ओहि अवसरमे बजनिहार संघक पदाधिकारीसब अनाधिकृत ग्याँसके कारोबार रोकहेतु ठोस पहल कएलजेवाकचाहि आ ग्याँस बिक्रेताके भेटैत आएल कमिसन एकदमें न्यून रहल बतौने छल । सहभागि वत्तासब ग्याँस ब्यवसायिके फुटिक नहि जुटिक आगा बढएके आवश्यकता रहल बतौने छल ।

कार्यक्रममें ग्यास बिक्रेता महासंघक केन्द्रीय सदस्य सुर्यमान बज्राचार्य,कार्यक्रम संयोजक रामकृष्ण खड्का,अतिथि सल्लाहकारहरु ज्ञानेन्द्र ओली,बिकास लालवानी,मणिलाल श्रेष्ठ ,बरिष्ठ उपाध्यक्ष सुनिल बोहोरा,उपाध्यक्ष कल्पना गौतम,आधारभुत बैठक प्रणालीके प्रशिक्षक बेदेन्द्र कुमार श्रेष्ठ लगायतक उपस्थिति छल । कार्यक्रमकेबीच प्रमुख प्रशिक्षक एवम जिल्ला सदस्य श्रेष्ठके सम्मानपत्र सहित सम्मान कएलगेल छल । महासंघक केन्द्रीय सदस्य वज्राचार्य आ मोरङ अध्यक्ष साह हुनका सम्मान कएने छलथि ।

कार्यक्रम संचालन सह सचिव रामकृष्ण खड्का कएने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु