विराटनगर १८ माघ । भारतीय सिने कलाकार खेसारीलालके कार्यक्रममें भेल तोडफोड आ आगजनी घटनामें आयोजक समितिके ६० लाख रुपैया देब परल अछि । कार्यक्रममे तोडफोड आ आगजनीमें क्षति पहुँचल कालाकार,साउण्ड सिस्टम तथा स्टेजबालाके क्षतिस्वरुप आयोजक समितिके ६० लाख रुपैया भर्पाई देबपरल अछि ।

१८ जनबरीमे सुनसरीके बर्जु गाउँपालिकामें मनोरंजनात्मक कार्यक्रममें भेल तोडफोड आ आगजनीके घटनामें आयोजक समितिके कलाकार सहितके विभिन्न पक्षके भर्पाइस्वरुप ६० लाख रुपैया देबपडल अछि । घटना पश्चात सुनसरी प्रशासन साहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी आनन्द पौडेलके नेतृत्वमें ५ सदस्यिय छानबीन समिति गठन कएने छल । उक्त समिति सुनसरी प्रशासनके प्रतिवेदन जमा कराचुकल अछि । घटना पश्चात २४ जनवरीके स्थानिय प्रशासन,भारतीय अभिनेता खेसारीलालके प्रतिनिधिसहित,जनप्रतिनिधि आ आन सरोकारवालाके उपस्थितिमें आयोजक समिति क्षतिपुर्तिस्वरुप विभिन्न पक्षके ६० लाख रुपैया भुक्तान करएके लिखित सम्झौता कएने अछि ।

सम्झौता अनुसार आयोजक समिति, भारतीय नायक खेसारीलालके साढे २२ लाख भारु अर्थात नेपाली रुपैया ३६ लाख देत बर्जु महोत्सव आयोजक समितिके अध्यक्ष श्रवण चौधरी जानकारी देनेछथि । तहिना साउण्ड सिस्टममे क्षति भेल विराटनगरके समिम मियाँके १५ लाख,टेन्टवालाके कुर्सीके तोडफोड वापत ६ लाखससहित अन्यके ३ लाख समेत कक अयाोजक समिति ओहि घटनामे भेल क्षतिबापत ६० लाख रकम देत चौधरी जानकारी देनेछथि ।


१८ जनवरी मध्यदिनमें भेल ओहि घटनामें भारतीय अभिनेता खेसारीलालके भारतीय नम्बर प्लेटके चारिटा गाडी सहित सांगितिक उपकरणसबमें सेहो क्षति भेल छल । अभिनेता खेसारीलाल ओहि घटनामें अपन १ करोड १५ लाख भारु मुल्य बराबरके सम्पति क्षति भेल कहैत नेपाल प्रहरीके निवेदन देने छलथि । कार्यक्रममे खेसारीलालके उपस्थिति नैभेल कहैत उत्तेजित दर्शकके समुह बर्जुके ओहि घटनामें तोडफोड आ आगजनी कएने छल । यद्यपि उक्त घटना भेल समयमें विराटनगरमें रहल खेसारीलाल पत्रकारसम्मेलनकक अपने सम्झौता अनुसार विराटनगर अएलोपर आयोजक समितिएके लापरवाहीके कारण कार्यक्रमस्थल नैजासकल दाबी कएने छलथि ।


कोरोनाके संक्रमण बढैतगेलापर सुनसरी प्रशासनद्वारा, कार्यक्रम स्थगन करहेतु लिखित पत्राचार कएलोपर आयोजक समिति अटेर कक भीडभाडयुक्त कार्यक्रम संचालन करएके प्रयास कएने छल । कार्यक्रमकेदिन अभिनेता खेसारीलाल औता कहिक आयोजक समिति टिकट बिक्री कएनेछल । ओम्हर कार्यक्रम रद्ध भचुकल तथा सुरक्षाके कारण देखबैत प्रहरीद्वारा खेसारीलालके विराटनगरसँ कार्यक्रमस्थल जाएमें रोक लगाएलगेल छल । हजारौं दर्शक कार्यक्रममे जुटल समयमें अभिनेता खेसारीलालक उपस्थिति नैहोएत बातक प्रचार भेलापर उत्तेजित दर्शक तोडफोड आ आगजनी कएने छल ।

अपनेसब अहि समाचारके स्थलगत भिडियो रिपोर्टिङ मैथिली अनलाइनके युट्यूबपर देख सकैत छी ।

सम्बन्धित खबरहरु