विराटनगर, ३१ वैशाख । विराटनगरक पाञ्चाली रोडस्थित कञ्चनजङ्घा पार्टी प्यालेसमे बैशाख ३१ गते ‘गीतनादः मैथिली लोकगीत प्रतियोगिता’क विषयमे एकटा महत्वपूर्ण जानकारी प्रसार तथा सुझाव संकलन कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि ।
मैथिली विकास अभियानक आयोजनामें भेल एहि कार्यक्रममे उद्योगी, व्यवसायी, पूर्व मन्त्री आ समाजक विभिन्न क्षेत्रक अगुवासब सहभागी भ’ प्रतियोगिताकेँ भव्य बनेबाक लेल अपन–अपन विचार रखलनि ।
सहभागी वक्तासभक सुझाव आ धारणाः
कार्यक्रममे अपन सुझाव दैत उद्योग व्यापार संघ मोरङक प्रतिनिधि विनय लाभ कहलनि जे प्रतियोगिताकेँ व्यवस्थित बनेबाक लेल एकटा ‘स्टेरिङ कमिटी’ गठन कएल जाए, जे आर्थिक स्रोत जुटबयमे सेहो सक्रिय रहय । ओ प्रतियोगितसबके स्मृति चिन्हमे जानकी मन्दिर जँका मैथिली पहिचान झल्काबय वाला आकृतिक प्रयोग आ आर्थिक संकलनक लेल संस्थाक क्यूआर कोड सार्वजनिक करबाक सुझाव देलनि ।
कोशी प्रदेशक पूर्व मन्त्री जयराम यादव प्रतियोगितामे सहभागी सभक लेल अपन मौलिक जातीय पोशाक अनिवार्य करबाक वकालत कएलनि । ओ आगा कहलनि जे मैथिली विकास अभियान आगामी दिनमे सशुल्क वा निःशुल्क ‘स्टेज शो’ कार्यक्रम सेहो सुरु करय ।
तहिना, विराटनगर आँखा अस्पतालक प्रबन्धक कुमार पृथु प्रतियोगितामे सहभागीकेँ दुईटा समूह (३० वर्ष सँ ऊपर आ ३० वर्ष सँ कम) मे बाँटि प्रतिस्पर्धा करबाक सुझाव देलनि । इन्जिनियर कमलेश्वर ठाकुर एहि अभियानकेँ निरन्तरता देबएलेल एकटा ‘अक्षय कोष’ निर्माण करबाक आवश्यकता पर जोर देलनि ।

प्रचार–प्रसार आ प्रस्तुतीकरणः
ओम शान्ति ज्वेलर्सक संचालक महेश स्वर्णकार कहलनि जे कार्यक्रमक प्रचारक लेल स्थापित मैथिल टिकटकर्स सभक सहयोग लेल जाए । ओ फाइनल प्रतियोगिताक बीचमे मैथिली पहिरन झल्काबय वाला ‘मैथिली आइडल’ जँका शो सेहो राखब सुझाव देलनि ।
मैथिली लेखक कुमुदमोहन झा ग्रामीण क्षेत्रके कलाकारकेँ प्राथमिकता दैत नियम स्पष्ट क’ सार्वजनिक करबाक बात कहलनि । तहिना, समाजसेवी दीपक कर्ण कार्यक्रमक शीर्षक ‘मैथिली लोकगीत प्रतियोगिताः गीतनाद’ राखब उपयुक्त होयत कहि सुझाव देलनि ।
विस्तार आ आर्थिक व्यवस्थापनः
उद्योगी मुन्ना कुमार झा सामाजिक संजालक माध्यम सँ दूर–दराजक परम्परागत गीत गायिकालोकनि केँ समेटबाक आग्रह कएलनि । युवा व्यवसायी तेजलाल कर्ण कहलनि जे प्रतियोगिताक अनुमानित खर्च विवरण सार्वजनिक क’ स्पोन्सर खोजल जाए तँ आर्थिक व्यवस्थापन सहज होयत ।
प्रतिबद्धता आ नेतृत्वः
कार्यक्रमक अन्तमे सहभागी सभ एक स्वरमे प्रतियोगिताकेँ सफल बनेबाक लेल हरसंभव सहयोग करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि । मैथिली विकास अभियानक अध्यक्ष नवीन कर्णक अध्यक्षतामें सम्पन्न एहि कार्यक्रममे उपाध्यक्ष कल्पना दास प्रतियोगिताक विस्तृत पक्ष सहभागि समक्ष प्रस्तुत कएने छलथि । कार्यक्रमक सहजीकरण संचारकर्मी सोनु कुमार दास कएने छलथि ।
मैथिली विकास अभियानक आयोजनमें गीतनाद प्रतियोगिताक फाईनल स्पर्धा यैह जेठ ३० गते फाईनल स्पर्धा करएबाक घोषणा भेल अछि । अहि कार्यक्रममें मैथिल महिलासबद्वारा घर–घरमें गाएलजाएबला संस्कार गीतक प्रतिस्पर्धा कराएलजाएत । बिजयी प्रतियोगिके नगद सहितके पुरस्कार देवाक घोषणा सेहो भेल अछि । कार्यक्रमसँ पहिने विराटनगरके विभिन्न वार्डमें अडिसन कार्यक्रम मार्फत प्रतियोगि सबके छनौट कएलजाएत आयोजक संस्था मैथिली विकास अभियान जानकारी देने अछि ।

