विराटनगर २५ पुष । विराटनगरस्थित अप्पन विराटगढ परोपकार समाज मैथिली अनलाइनके समाचार संयोजक प्रियंका यादव सहित भाषा तथा कलासंस्कृति अभियानीसबके सम्मान कयने अछि ।
स्थानिय रामजानकी सेवा सदनमे कार्यक्रमके आयोजना करैत समाजद्वारा मैथिली भाषाके सम्र्बधन तथा कलासंस्कृतिके अभियानीसबके सम्मान कयलगेल अछि ।मैथिली भाषा,लोक कला संरक्षण तथा सम्मान कार्यक्रमके बीच लम्बा समय सँ योगदान कएनिहार अभियानीसबके सम्मान कयलगेल अछि ।कार्यक्रमके बीच डेढ दसक सँ रेडियो,टेलिभिजन तथा इलेक्ट्रोनिक मिडियामे सक्रिय मैथिली अनलाइनके समाचार संयोजक प्रियंका यादव,हिन्दुस्तान टाइम्सके बरिष्ठ पत्रकार बरुण मिश्रा हिमालिनीके पत्रकार माला मिश्रा, रेडियोकर्मी प्रेमनारायण झा आ कविता झा,कवि शिवनारायण पण्डित ‘सिंगल’,चलचित्रकर्मी झोटन महतो आ रंगकर्मी तथा पत्रकार प्रकाश प्रेमीके सम्मान कयलगेल छल ।
तहिना मैथिली अभियानी भगवान झा,विद्या मिश्रा,साधना झा,बन्दना चौधरी,बिभा दास,सुचि चौधरी,ममता सुवेदी यादव,संचारकर्मी चाँदनी झा,विराटनगर ९ के वडाध्यक्ष विश्वनाथ प्रसाद, समाजसेवी ताराचन्द खेतान, मैथिली चित्रकार शिला चौधरी कर्ण आ रिम्मि चौधरी कर्ण,बिराट जागृति कला केन्द्रके संस्थापक काशी राजवंशीके सम्मान कयलगेल अछि । अभियानीसबके प्रदेश एकके सामाजिक विकास मन्त्री जयराम यादव आ आयोजक संस्थाके अध्यक्ष बसुन्धरा झा कदरपत्र दोसल्ला आ अबिरसहित सम्मान कयने छलथि । पत्रकार तथा अभियानीसबके मैथिली भाषा तथा कलासंस्कृतिके श्री बृद्धिमे कयलगेल योगदानके कदरकरैत सम्मान कयलगेल आयोजक संस्थाके सल्लाहकार राजेश झा बतौने छलथि ।
उक्त अवसरमे विराट जागृति कला केन्द्रके कलाकारसबहक सगे कलाकार मनिसा शाह आ रिम्मी चौधरी लगायत सांस्कृतिक नृत्य आ गीत प्रस्तुत कयने छलथि । कार्यक्रम स्थलमे स्थानिय कलाकारसबद्वारा सृजित आर्कषक मिथिला पेन्टिङसेहो प्रर्दशन कयलगेल छल । उक्त अवसरमे चित्रकार तुलसी मण्डल ‘कलाकार’,सुप्रिया सोनी दत्त,शिला चौधरी कर्ण आ रिम्मी चौधरी कर्णके कलाकृति प्रर्दशन कयलगेल छल ।
कार्यक्रममे बजैत प्रदेश एकके सामाजिक विकास मन्त्री जयराम यादव देश भितरके विविध भाषासंस्कृतिसब सांस्कृतिक धरोहर रहला स ओइके संरक्षणमे सब पक्ष जिम्मेबार हेबाक चाहि बतौने छलथि । मन्त्री यादव घरपरिवारभितर मातृभाषाके प्रयोगमे सेहो जोड देने छलथि ।