विराटनगर २२ पुष । मैथिली भाषा,संस्कृति संरक्षणके क्षेत्रमें सक्रिय संस्था ‘अप्पन विराटगढ परोपकार समाज’ मिथिला चित्रकला प्रर्दशनी सहित विविध सांस्कृतिक कार्यक्रमके आयोजना करजारहल अछि ।

समाजद्वारा काल्हि (शनिदिन) पुष २४ गते विराटनगरके रामजानकी सेवा सदनमें कार्यक्रमके आयोजना होबजारहल अछि । ‘मैथिली भाषा,लोक कला संरक्षण’ शिर्षकमे आयोजना होबजारहल कार्यक्रमकेबीच विविध कार्यक्रम कएलजाएत आयोजक जानकारी देने अछि । कार्यक्रमकेबीच चित्रकार शिला चौधरी आ सिम्मी चौधरीसहित अन्य मैथिल महिला कलाकारद्वारा निर्माण कएलगेल मौलिक चित्रकला पेन्टिङसब प्रर्दशन कएलजाएत आयोजक संस्थाके अध्यक्ष बसुन्धरा झा जानकारी देनेछथि । प्रदेश एकके सामाजिक विकास मन्त्री जयराम यादवके प्रमुख आतिथ्यमें आयोजना होबलागल कार्यक्रमकेबीच विराट जागृति कला केन्द्रके कलाकारसब सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत करत बताओलगेल अछि ।

तहिना कार्यक्रमकेबीच सामाजिक उन्न्यनमे योगदान केनिहार विभिन्न बर्गसमुदाय तथा भाषा–भाषिके अभियन्तासबके सम्मान कएलजाएत आयोजक संस्थाके सल्लाहकार राजेश झा जानकारी देनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु