विराटनगर १० पुष । मैथिली भाषा–संस्कृति संरक्षण आ प्रवर्द्धनके उद्देश्यसँ विराटनगरमे दु दिवसिय अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली सम्मेलन आयोजन होमए जारहल अछि ।

मैथिली एशोसिएसन नेपाल आ मैथिली सेवा समितिक संयुक्त आयोजनामें एहि पुस १२ आ १३ गते सम्मेलन आयोजन होयत । आयोजक समिति वृहस्पति दिन पत्रकार भेटघाटक आयोजन करैत सम्मेलनक सम्पूर्ण तैयारी पूरा भऽ गेल जानकारी देलक ।

पत्रकार सम्मेलनमे बजैत मैथिली एशोसिएसनक अध्यक्ष प्रवीणनारायण चौधरी कहलनि जे विश्वभरिक मैथिली भाषीकेँ जोड़बला एकटा स्तरीय कार्यक्रम आयोजन कएल जा रहल अछि । ओ कहलनि जे कार्यक्रममें मैथिली भाषा साहित्य आ मिथिला संस्कृति सभ्यताक संरक्षण, संवर्द्धन आ प्रवर्द्धन लेल वृहत स्तरक बौद्धिक विमर्श, कवि सम्मेलन आ सांगीतिक प्रस्तुति रहत । अध्यक्ष चौधरी संस्था अपन स्थापना कालसँ भाषा संरक्षणक विभिन्न कार्यक्रम करैत आएल जानकारी सेहो देलनि ।

ओहि अवसरमे बजैत संस्थाक उपाध्यक्ष पंकज बर्मा कहलनि जे भाषा आयोगक सिफारिस बमोजिम कोशी प्रदेश सरकारद्वारा प्रदेशमें मैथिली आ लिम्बूकेँ कामकाजी भाषाक रूपमे अनुमति देबाक बात कार्यान्वयन नै भऽ सकल बतौलनि । ओ कहलनि जे सम्मेलनक पश्चात संस्था एहि विषयकेँ सेहो उठाओलजाएत ।

विराटनगर १४ स्थित रंगी होटलमे आयोजन होबयबला एहि सम्मेलनमें नेपाल, भारत सहित तेसर मुलुकसँ सेहो मैथिली विद्वान आ साहित्यकार सबहक सहभागिता रहत । सम्मेलनमे विभिन्न ११ टा विषय वस्तुपर विद्वत विमर्श होयत ।

ओहि विषयसभमें रोजीरोटीक कारणे भाषाभाषीक पलायन, मिथिला क्षेत्रक पर्यटन, उद्योग व्यवसाय आ आर्थिक विकासक सम्भावना, मैथिली फिल्मक वर्तमान आ भविष्य, आ नेपालमे राजनीतिक स्थिरता, शान्ति आ समृद्धिक लेल चिन्तन जका विषयपर विद्वत वर्ग बीच गहन छलफल होयत ।

दु दिवसिय कार्यक्रमक लेल मधेश प्रदेशक प्रदेश प्रमुख डा. सुरेन्द्र लाभ, कोशी प्रदेशक पर्यटन, वन तथा वातावरण मन्त्री सदानन्द मण्डल आ सामाजिक विकास मन्त्री पाँचकर्ण राईकेँ विभिन्न सत्रके लेल मुख्य अतिथिक रूपमे आमन्त्रण कएल गेल आयोजक समिति जनौलक ।

सम्बन्धित खबरहरु