विराटनगर । उद्योगि ब्यवसायि सबहक संगठन उद्योग संगठन मोरङके अध्यक्षमें विराटनगर–२ निवासी नन्दकिशोर राठी सर्वसम्मति सँ निर्वाचित भेल छथि ।
संगठनक ५२ म साधारण सभासँ राठी उद्योग संगठन मोरङक नव अध्यक्ष रूपेँ सर्वसम्मति सँ चयन कएल गेल अछि । ओहि सभासँ १७ सदस्यीय नव कार्यसमिति सेहो राठीक नेतृत्वमे घोषित कएल गेल अछि । राठी संगठनक १६म अध्यक्ष बनलाह ।
वरिष्ठ उपाध्यक्ष रूपेँ भोलेश्वर दुलाल चुनल गेल छथि । तीन उपाध्यक्षक रुपमें क्रमशः सुरेन्द्र गोल्छा (वित्तीय क्षेत्र), विपिन काबरा (कृषि, जलस्रोत, ऊर्जा), आ सुवोध कोइराला (रोजगारदाता) चयनित भेलाह । कोषाध्यक्षक जिम्मा पारस लुनियाँके देल गेल अछि ।
कार्यसमितिक अन्य सदस्यसभमे दीपक कुमार अग्रवाल, जयेन्द्र कुमार शर्मा, सन्तोषकुमार भगत, सिद्धार्थ काबरा, सृजन प्याकुरेल, उकेश अग्रवाल, सौरभ शारडा, वीरेन्द्र राठी, प्रतिक राउत, पारस गोल्छा आ किरण ब्यासके सर्वसम्मति सँ निर्वाचित घोषित कएल गेल अछि । वर्तमान अध्यक्ष राकेश सुरानाक पदस्थापनक पश्चात नव कार्यसमितिक कार्यकाल प्रारंभ होयत बताओलगेल अछि ।
वि.सं.२०२४ सालमें उद्योग संगठन मोरङ स्थापित भेल छल, जतय संस्थापक अध्यक्ष जुद्धबहादुर श्रेष्ठ छलाह ।