जोगबनी १४ पुष । विराटनगरके सिमावर्ती भारतीयराज्य जोगबनीमें अन्र्तराष्ट्रिय मिथिला महोत्सव आ विद्यापति स्मृति पर्व समारोह भब्यरुपमें सम्पन्न भेल अछि ।
भारत नेपाल मैत्री समाजद्वारा जोगबनीके वार्डनम्बर १० ईन्द्रानगरमे आयोजना कएलगेल महोत्सवके गणतन्त्र नेपालके प्रथम उपराष्ट्रपति परमानन्द झा आ बिहार सरकारके कलासंस्कृति तथा खेल मन्त्री आलोक रंजन संयुक्तरुपमें उदघाटन कएनेछलथि । कार्यक्रममें नेपाल तथा भारत दुनुदेशके मैथिलभाषि विद्धान,कलाकार तथा नेतागणके उपस्थिति छल ।
ओहि अवसरमें भारत तथा नेपाल दुनू देशके राष्ट्रगान गाबिक कार्यक्रम शुरु कएलगेल छल तथा नेपाल आ भारत दुनू देशके चर्चित कलाकारसब मैथिली भाषाके नृत्यगीत आ सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कएने छल । मैथिली भाषाके कविकोकिल विद्यापतिके तस्वीरपर माल्यार्पण कएलापश्चात शुरुभेल कार्यक्रममें जनकपुरधामके हेलो मिथिला सांस्कृतिक समुह,कवि प्रेमनारायण झा आ विराट कला केन्द्रके कलाकारसब पारम्परिक नृत्य आ गीत प्रस्तुत कएने छलथि । तहिना भारतके मधुबनीसँ गायक निखिल महादेव झा आ कंचन पाण्डे लगायतक कलाकारसब सेहो अपन–अपन प्रस्तुति रखने छलथि ।
कार्यक्रमकेबीच नेपाल तथा भारत दुनूदिसिके मैथिल अभियानीसबके सम्मान सेहो कएलगेल आयोजक भारत नेपाल मैत्री समाजके संस्थापक संयोजक बरुण मिश्रा जानकारी देनेछथि । भारतीय सिमाक्षेत्रमे कार्यक्रम आयोजन कएलगेलोपर कार्यक्रम शुरु होबसँ पहिने विराटनगरके रानीमें रहल एतिहासिक मण्ठा पोखरीसँ जलभरिक शोभा कलशयात्राके आयोजना कएलगेल छल । कलशयात्राके सहभागि रानी भन्सार सहित विराटनगरके विभिन्न भागके परिक्रमा करैत जोगबनीस्थित कार्यक्रमस्थलमे पहुँचक समापन भेल छल ।
कार्यक्रममें विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर भिम पराजुली, जनता समाजबादी पार्टी नेपालके मोरङ अध्यक्ष राजुकुमार यादव, नेपाली काँग्रेसके युवा नेता राजेश गुप्ता,एबिसि नेपालके अध्यक्ष बिष्णु शर्मा सहितके अतिथिगण नेपालभारतके पारम्परिक सम्बन्धके बिषयमें मनतब्य ब्यक्त छलथि ।