विराटनगर । मोरङके सक्रिय पत्रकार किशोर बुढाथोकी केँ ‘षष्टिका बस्नेत सूचनाक अधिकार पुरस्कार, २०८१’ सँ सम्मानित कैल गेल अछि ।

नेपाल पत्रकार महासंघ मोरङ शाखाद्वारा बैशाख २० गते आयोजित कार्यक्रममे ई पुरस्कार कोशी प्रदेशक मुख्यमन्त्री हिक्मतकुमार कार्की आ विराटनगर महानगरपालिकाक मेयर नागेश कोइरालाक हस्ते प्रदान कैल गेल ।

बुढाथोकी पत्रकारितामे करीब दू दशक सँ सक्रिय छथि । भोजपुर जिलाक तुङ्गेछा गामक निवासी बुढाथोकी २०६८ साल सँ विराटनगरमे रहि कऽ पत्रकारिता क’ रहल छथि । विगत १३ वर्ष सँ ओ सूचनाक हक क्षेत्रमे विशेष योगदान दैत आबि रहल छथि । पुरस्कारक राशी १ लाख १ सय रूपैयाँ अछि ।

एहि अवसर पर झापाक पत्रकार सुरेन्द्र भण्डारी केँ ‘सूचनाक अधिकार प्रोत्साहन पुरस्कार’ प्रदान कैल गेल, जाहिक राशी २५ हजार २५ रूपैयाँ अछि ।

कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघक मोरङ अध्यक्ष सुशीला पाठक, प्रदेश अध्यक्ष भरत खड्का, पूर्वअध्यक्ष विक्रम लुइँटेल, लीलाबल्लभ घिमिरे, यज्ञ शर्मा आदि वक्ता रूपेँ सहभागि छलाह ।

सूचनाक अधिकार क्षेत्रमे योगदान दैत नीति निर्माण, पारदर्शिता, सुशासन आ नागरिक जागरण लेल सक्रिय व्यक्तिकेँ हरेक वर्ष ई पुरस्कार देल जाइत अछि ।

पुरस्कृत पत्रकार बुढाथोकी मुलुकी खबर अनलाइनके सम्पादक तथा अन्नपूर्ण पोस्टके कोशी प्रदेश ब्युरो प्रमुख सेहो छथि ।

सम्बन्धित खबरहरु