चैत ५ । विराटनगर में आयोजित श्रीकृष्ण राशलीलाक अवसर पर मंगलबार भोर शोभायात्रा निकालल गेल अछि।

स्थानीय सत्यनारायण मन्दिर परिसर सँ निकलल शोभायात्रा नगरक्षेत्रक विभिन्न भाग के परिक्रमा कएलक । श्रीहरि सत्संग समिति नेपालक आयोजन में शोभायात्रा निकालल गेल । शोभायात्राक सहभागिक लोकनि गोल्छोचोक, गोश्वारारोड, शहीद रंगशाला, अस्पतालचोक, जलजलारोड सँ मेनरोड धरि फेर सत्यनारायण मन्दिरक सामने स्थित अतिथि सदन में पहुँच कऽ समाप्त भेल, राशलीला आयोजक समिति क संयोजक महेशकुमार स्वर्णकार जानकारी देलनि ।

शोभायात्रा में भगवान श्रीकृष्ण आ राधाक भेष में सजल कलाकारक संग आयोजक समिति के विराटनगर महिला सम्भाग, ओमशान्ति सहित विभिन्न विद्यालयक विद्यार्थी आ धर्मानुरागी सभक सहभागिता छल । चैत ५ गते अपराह्न सँ शुरू होमय वाला राशलीला प्रस्तुत करबाक लेल वृन्दावन सँ २१ कलाकारक टोली आमन्त्रित कएल गेल अछि ।

स्थानीय अतिथि सदन में साँझ ६ बजेसँ ९ बजे तक दैनिक राशलीला संग स्थानीय भाषासंस्कृति के धार्मिक कार्यक्रम आयोजित कएल जायत । राशलीलाक उद्घाटन कोशी प्रदेशक प्रमुख परशुराम खापुङ्ग द्वारा होमय बाला अछि ।

३० वर्षक बाद विराटनगर में भगवान राधाकृष्णक चरित्र आधारित राशलीला आयोजित कएल जारहल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु