चैत ३ । विराटनगर में आयोजन होएवाला धार्मिक कार्यक्रम रासलीलाक सम्पूर्ण तैयारी पुरा भेल आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।
आयोजक श्रीहरि सत्संग समिति नेपाल नेपाल पत्रकार महासंघ मोरङ शाखामे रबिदिन पत्रकार सम्मेलन आयोजित कऽ कार्यक्रमक सम्पूर्ण तैयारी पूरा भेल जानकारी देने अछि । भगवान श्रीकृष्णक चरित्रपर आधारित धार्मिक कार्यक्रम रासलीला चैत ५ सँ ९ गते धरि विराटनगरक अतिथि सदन में आयोजित होए वाला अछि । श्रीहरि सत्संग समिति नेपाल कोशी प्रदेश सम्भागक आयोजनामे ‘होलीक रंग रासलीलाक संग’ शीर्षक में रासलीला आयोजन कएल जा रहल अछि ।
रासलीलाक उद्घाटन कोशी प्रदेशक प्रमुख परसुराम खापुङ चैत ५ गते करताह, रासलीला संयोजक महेश स्वर्णकार बतौलनि । ओ कहला जे सनातन आध्यात्मिक संस्कृतिक संरक्षण हेतु रासलीला आयोजित कएल जा रहल अछि ।
श्रीहरि सत्संग समिति नेपालक राष्ट्रीय अध्यक्ष भीखमचन्द सरल कहला जे समिति गैरकानूनी धर्मपरिवर्तन रोकबाक लेल आ सनातन धर्मक संरक्षणक क्षेत्र में कार्य करैत आबि रहल अछि ।
ओ कहला जे समिति देशक १७ जिलामे ६४ सदस्यीय पूर्णकालिक सेवावर्ती कार्यकर्ताक माध्यम सँ सत्संग, भजन कीर्तन, प्रवचन, झाँकी आ पूजा आरतीक माध्यम सँ अभियान चला रहल अछि । सरल कहला जे तिन दशक पूर्व विराटनगर में रासलीला आयोजन होइत छल, मुदा एम्हर आबिक विविध कारण आयोजन रुकि गेल छल, आ अब समिति फेर सँ एहि कार्यक्रमक आयोजन कऽ रहल अछि ।
पाँच दिन धरि चलएबला कार्यक्रम में बृन्दावन सँ आमन्त्रित २१ गोटे कलाकारक टीम रासलीला प्रस्तुत करत, संगहि स्थानीय कलाकार द्वारा मैथिली, थारु, मारवाड़ी आ संथाल भाषाक सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो प्रस्तुत कएल जायत । आयोजन समिति अनुसार, कार्यक्रम स्थानीय धर्मानुरागी दाताक स्वेच्छिक दान सँ आयोजित कएल जायत ।
रासलीला सम्पन्न करबाक लेल ५ सय ५५ सदस्यीय मुख्य समिति गठन कएल गेल अछि आ ३१ सदस्यीय कार्यसम्पादन समिति सेहो गठित कएल गेल अछि ।
