विराटनगरक उद्योगी एवं समाजसेवी देवकिशन मुन्दडाके महामूर्खक उपाधि प्रदान कएल गेल अछि ।
हुुन्का २०८१ सालक महामूर्ख घोषणा कएल गेल अछि । मारवाड़ी यूवा मञ्च द्वारा होलीक अवसर पर फागुन २७ गते राति आयोजित कार्यक्रमक बीच ८२ वर्षीय मुन्दडाके महामूर्खक उपाधि प्रदान कएल गेल । विराटनगर स्थित जैन श्वेताम्बर तेरापंथ सभा भवनक प्रांगणमें आयोजित कार्यक्रमक बीच कोशी प्रदेशक मुख्यमन्त्री हिक्मतकुमार कार्की मुन्दडाके महामूर्खक ताज पहिरौलनि ।
महामूर्खक उपाधि सँ सम्मानित ८२ वर्षीय मुन्दडा देवेनरा ग्रुपक वरिष्ठ सदस्य छथि । मारवाड़ी यूवा मञ्च द्वारा प्रत्येक वर्ष होलीक अवसर पर आयोजित विशेष समारोह में समाजक एक विशिष्ट व्यक्तिके महामूर्खक उपाधि देबाक परंपरा अछि ।
कार्यक्रम में नेकपा एमालेक नेता एवं उद्योगी मोतीलाल दुगड,नेपाल उद्योग परिसंघ कोशी प्रदेश समितिक अध्यक्ष उद्योगी पवनकुमार सारडा, परिसंघ कोशी प्रदेश समितिक वरिष्ठ उपाध्यक्ष उद्योगी प्रकाश मुन्दडा, एवं उद्योगी महेश जाजु सहित कतेको प्रमुख व्यक्तिक उपस्थिति रहल छल । एहि अवसर पर आयोजित कार्यक्रम में स्थानीयक संग भारतक मुम्बई सँ आमंत्रित हास्य कलाकार सुनिल पाल सेहो उपस्थित छलाह, जे हास्यब्यंग प्रस्तुत कऽ उपस्थित लोकक मनोरञ्जन कएलाह ।
एहि कार्यक्रमक माध्यम सँ मारवाड़ी यूवा मञ्च समाजक विशिष्ट व्यक्तित्व केँ सम्मानित करैत, हास्य आ मनोरंजनक संग सन्देश देने छल ।