फागुन २९ । दू बेरक च्याम्पियन थ्री स्टार क्बल ९ं म संस्करणक रमपम विराट गोल्डकप फुटबल प्रतियोगिताक उपाधि जितल अछि ।
विराटनगरक सहिद रंगशालामे फागुन २८ गते राति सम्पन फाइनल खेलमे सहिद स्मारक ए डिभिजन लिग च्याम्पियन चर्च ब्वाइज युनाइटेडकेँ शुन्यक विरुद्ध दुई गोलसँ पराजित करैत थ्रीस्टार च्याम्पियन बनल । थ्रीस्टार केँ उपाधि दियाबलेल खेमराज श्रेष्ठ आ दीपेश घले समान १–१ गोल कएलनि । थ्रीस्टार खेलक शुरूआति पाँच मिनट भितरे अग्रता हासिल कएने छल ।
नविन लामाक निकालेल क्रस पास केँ खेमराज गोल पोस्टक दिसा देने छलथि । थ्रीस्टार दोसर गोल ६३ म मिनटमे कएलक । दोसर गोल दीपेश घले कएने छलथि । उपाधि बिजेता भेल थ्रीस्टारके नगद ११ लाख रुपैया आ ट्राफी सहितके पुरस्कार प्रदान कएलगेल अछि तहिना उपविजेता चर्च ब्वाइज केँ नगद ५ लाख रुपैया भेटल ।
थ्रीस्टार अहिसँ पहिने पाँचम संस्करणके विराट गोल्डकपक उपाधि सेहो जितल छल । ओहि समयमें आर्मी केँ ३–० गोल सँ हराकऽ थ्रीस्टार उपाधि हासिल कएने छ । प्रतियोगिताक म्यान अफ दि म्याच थ्रीस्टारक कप्तान एकराज बुढाथोकी घोषीत भेलनि । हुनका नगद ११ हजार भेटल । विधागत पुरस्कारमे सेहो थ्रीस्टारक प्रभुत्व रहल ।
उत्कृष्ट प्रशिक्षक थ्रीस्टारक गणेश खड्का घोषीत भेलनि । तहिना बेस्ट गोलकीपर थ्रीस्टारक विवेक मगर, हाइस्कोरर थ्रीस्टारक दीपेश घले घोषीत भेलनि । पहुनका सभ केँ नगद १५ हजार भेटल । बेस्ट प्लेयर अफ टुर्नामेन्ट थ्रीस्टारक खेमराज श्रेष्ठ घोषीत भेलनि । हुनका नगद ५१ हजार प्रदान कएलगेल अछि ।
थ्रीस्टार मछिन्द्र आ त्रिभूवन आर्मी केँ निराश करैत विराट गोल्डकपक उपाधि नजदिक पहुँचल छल । थ्रीस्टार क्वाटरफाइनलमे मछिन्द्र केँ २–१ गोल सँ आ सेमिफाइनलमे विभागीय टिम त्रिभूवन आर्मी क्लब केँ ३–२ गोल सँ हराकऽ फाइनलमे प्रवेश कएने छल । फागुन १९ गतेसँ सुरु भेल गोल्डकपमे दुई विदेशीसहित ‘ए’ डिभिजनक १० टा टिमक सहभागिता रहल छल ।
बिजेता आ उपबिजेता टिम केँ कोशी प्रदेशक मुख्यमन्त्री हिक्मत कुमार कार्की, प्रदेश सभा सदस्य भिम पराजुली, विराटनगर महानगरपालिका प्रमुख नागेश कोइराला आ विराट गोल्डकपक संयोजक नविन रिजाल लगायत पुरस्कार प्रदान कएने छलथि ।