फागुन २१ । नारी दिवसक अवसरपर विराटनगरमें ‘गल्स अन ह्विल’ प्रतियोगिता आयोजित होबए जारहल अछि ।

ई प्रतियोगिता विराटनगर प्राइम राउन्ट टेबल–१० के आयोजन में फागुन २४ गते होएत । प्रतियोगिता विशेष रूप सऽ महिलासभ संग मात्र सीमित होएत । प्रतियोगिता में १ सय स्कूटरक सहभागिता सुनिश्चित करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि, जतऽ प्रत्येक स्कूटर में दू गोट महिलासभ भाग ल सकत ।

प्रतियोगितामें सहभागितक लेल १,५०० रुपैया शुल्क राखल गेल अछि । उक्त शुल्क भुगतान कएलापर एकटा स्कुटरपर दू गोटे प्रतियोगितामें सहभागि भसकत । प्रतियोगितामें भाग लेनिहार सभके विराटनगरक १० स्थान पर टास्क सभ पूरा करऽ पड़त ।

प्रत्येक स्थान पर विभिन्न टास्क आर संकेत देलजाएत, जकर आधार पर प्रतियोगी सभ के अंक देल जायत । ओहि अंकक आधार पर विजेता चयन कएल जायत प्रतियोगिताक संयोजक योगेश राठी बतौने छथि । प्रतियोगिता केर शुरुआत विराटनगरक सिटी पैलेस सऽ होएत आर ओहि ठाम पर समापन होएत ।

विजेता के ६०,००० रुपैया नगद आर गिफ्ट हेम्पर भेटत, जखनकि दोसर आर तेसर स्थान पर क्रमशः ४०,००० रुपैया आर २५,००० रुपैया नगद संग गिफ्ट हेम्पर भेटत । एहिसँ अतिरिक्त, कार्यक्रमक दौरान मनोरञ्जनात्मक कार्यक्रम सभ सेहो प्रस्तुत कएल जायत, जाहिमें राष्ट्रीय आर स्थानीय कलाकार सभक प्रस्तुति होएत ।

संगहि, कार्यक्रम स्थल पर विभिन्न स्टल सभ सेहो रहत जइमे फुडस्टल आर फेस पेन्टिङके स्टल शामिल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु