फागुन १८ । विराटनगरमें आयोजित होइत आएल प्रतिष्ठित विराट गोल्डकप फुटबल प्रतियोगिता के नवम संस्करण के तैयारी पूरा भेल अछि ।

आयोजक विराट गोल्डकप फुटबल ट्रस्ट पत्रकार सम्मेलनके आयोजन कक प्रतियोगिताको सम्पुर्ण तैयारी पुराभेल जानकारी देने छ । ई प्रतियोगिता १९ फागुन सँ २८ फागुन धरि विराटनगर शहिद रंगशाला में आयोजन होयत । एहि में नेपालक ८ आ भारतक २ टा टिम सहित कुल १० टा टोलीके सहभागिता रहत पत्रकार सम्मेलनमें जानकारी देलगेल अछि ।

प्रतियोगिता के उद्घाटन मैच आयोजक मोरङ एफसी आ भारतक साउथर्न समिति फुटबल क्लब के बीच होमए जारहल अछि । पत्रकार सम्मेलनमें बजैत आयोजक समिति के संयोजक नविन रिजाल मैच देखएलेल दर्शकके २ सय रुपैयाके सिजनल टिकटके ब्यवस्था कएलगेल बतौलनि । प्रतियोगिता आयोजनमें १ करोड ३५ खर्च होमयके अनुमान कएलगेल ओ बतौने छलथि ।

प्रतियोगिताके बिजेता टीम केँ ११ लाख आ उपविजेता केँ ५ लाख रुपैया नगद पुरस्कार देल जायत आयोजक समिति जानकारी देने अछि । संगहि उत्कृष्ट प्रशिक्षक, गोलरक्षक आ सर्वाधिक गोलकर्ता केँ १५–१५ हजार रुपैया तथा खेलक हर दिन के उत्कृष्ट खेलाड़ी केँ ११ हजार आ सर्वश्रेष्ठ खेलाड़ी केँ ५१ हजार राशिके पुरस्कार भेटत बताओलगेल अछि ।

आयोजक ट्रस्टके अध्यक्ष किशोर बहादुर शाही प्रतियोगिता सफल बनाबएलेल सम्पुर्ण महानगरवासी सहित दर्शकगणके सहयोग अपेक्षित रहन बतौने छलथि ।

आयोजक समिति नेपाली काँग्रेसके नेता डा.शेखर कोईरालाद्वारा प्रतियोगिता उद्घाट कराबएके तैयारी कएने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु