विराटनगरक कवि एवं पत्रकार मीनकुमार नवोदित केँ ‘दक्षिण एशियाली मकालु प्लाटिनम जुबिली युवा साहित्यिक पत्रकारिता सम्मान–२०८१’ सँ सम्मानित कएलगेल अछि ।

ई सम्मान विश्वक पाँचम आकाशीय मकालु हिमालक आरोहणक ७० वर्ष पूरा होयबाक अवसरपर संखुवासभाक मकालु गाउँपालिकाक नुमबजार मे आयोजित एक भव्य समारोह मे नवोदितके प्रदान कएलगेल अछि । नवोदित विगत दुइ दशक सँ साहित्य आ पत्रकारिता क्षेत्र मे योगदान दैत आयल छथि आ हुनक तीनटा मौलिक कृतिसभ प्रकाशित भऽ चुकल अछि ।

वर्तमान मे, ओ कारोबार दैनिक आ साहित्य पोष्टक कोशी प्रदेश संयोजकक रूप मे कार्यरत छथि आ विभिन्न सञ्चार माध्यमक सम्पादकक जिम्मेवारी सेहो वहन कए चुकल छथि । मकालु साहित्य समाजक अध्यक्ष ताराबहादुर बुढाथोकीक अनुसार नवोदित केँ साहित्यिक आ सांस्कृतिक क्षेत्र मे विशिष्ट योगदानक लेल सम्मानित कएलगेल अछि ।

एहि अवसर पर वरिष्ठ गायक आ संगीतकार बुलु मुकारुङ आ नेपाली भाषा, साहित्य आ संस्कृतिक क्षेत्रक महत्वपूर्ण व्यक्तित्व रण काफ्लेके सेहो सम्मानित कएल गेल । समारोह मे ऊर्जा जलस्रोत आ सिचाई मन्त्री दीपक खड्का, वरिष्ठ साहित्यकार डा. पुष्करदेव भट्ट, मकालु गाउँपालिकाक अध्यक्ष ओङ्दी छिरीङ शेर्पा लगायतक प्रमुख व्यक्तित्व सभक उपस्थिति रहल छल ।

नुम बजारमें आयोजित चारि दिवसीय महोत्सव मे नेपाल, भारत, भूटान आ बंगलादेशक तीन दर्जन सँ बेसी स्रष्टा अपन–अपन कृति प्रस्तुत केलनि । महोत्सव संखुवासभाक अन्तर्राष्ट्रिय स्तरपर परिचय कराबय मे महत्वपूर्ण भूमिका अदा कएलक मकालु साहित्य समाजक अध्यक्ष बुढाथोकी बतौने छथि । महोत्सवक आयोजक समितिक संयोजक मनकला राईक अनुसार, एहि अवसर पर विभिन्न साहित्यिक आ सांस्कृतिक कार्यक्रम, पुस्तक विमोचन आ मनोरञ्जनात्मक कार्यक्रम सभक आयोजना कएल गेल ।

ई महोत्सव मकालु गाउँपालिकाक संग–संग संपूर्ण क्षेत्रक धार्मिक, सांस्कृतिक आ साहित्यिक विकास केँ प्रोत्साहित कएलक अछि आ पर्यटन प्रचारक क्षेत्र मे सेहो योगदान देलक अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु